Corona Warriors Of Mithila : Agam Jha

Image

Corona Warriors Of Mithila : चैनपुर, सहरसा सँ अगम झा

Image

Corona Warriors Of Mithila सिरीज़ में मैथिल मंच अहाँक परिचय कराबय चाहैत अछि मिथिला के ऐहन युवा सबसँ जे संसाधन के अनुपलब्धता, आधारहीन सिस्टम के बावजूद “चाईनीज़ वायरस-कोरोना” सँ खतरा के अनुभव करैत अपन गाम अपन क्षेत्र में सबटा सरकारी आदेशक पालन करैत उपलब्ध साधन संग एहि लड़ाई के जीतय में अपन योगदान देलथि……..
सबसँ पहिल नाम लेब चैनपुर, सहरसा के युवा समाजसेवी अगम झा
विपरीत परिस्थिति आ संसाधन के अभाव के संग जहि तरहे एकटा योद्धा जकाँ ई अपन गामक समस्या के समाधान लेल ओहुना सतत तत्पर रहय छथि, एहि कोरोना के हराबय के लड़ाई में सेहो हिनक योगदान अभूतपूर्व, प्रशंसनीय आ अनुकरणीय अछि।

Image

कोरोना बीमारी सँ होबय वला नुकसान के अंदेसा होईते अगम झा सबसँ पहिले अपन गाम आ आसपास लोक के जागरूक करय में लागि गेलथि।
उपलब्ध सीमित संसाधन के लय मास्क वितरण, सैनिटाइजेशन, सोशल डिस्टेंसिंग के बारे में गाम के अंतिम लोक तक पहुँचक जानकारी देलन्हि।
संगहि गामक लोक के बिजली, पानी आदि के समस्या लेल घर सँ बाहर नै निकलय पड़य ओहि लेल सतत अपन टीम संग कार्यरत रहलाह।
प्रवासी गामक लोक के बाहर सँ आबय के स्थिति में स्कूल में क्वारेंटाईन सेंटर बनबाबय सँ लय क बाकी सब सुविधाक व्यवस्था लेल उपलब्ध सरकारी व्यवस्था में सतत सहयोगी बनि सतत काज कय रहल छथि।

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

सबसँ महत्वपूर्ण बात ई जे गामक प्रवासी मित्र आ श्रेष्ठजन के संयोजन में गाम के प्रत्येक जरूरतमंद लोक के दूनू समय भोजन बनबाकय पहुँचाबय के जिम्मेदारी उठा रहल छथि।

Image

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

मैथिल मंच अघोषित आपदाक एहि समय में जहन सरकारी मदद पहुँचय में समय लागि रहल छल, एहन समय में हिनक सहयोग आ समर्पण लेल सादर अभिनन्दन करैत अछि।

Image

 

एहन विकराल समय में अगर कियो वास्तविक रूपे सहयोग आ समाजसेवा के इच्छा राखय छथि त वर्तमान सिस्टम के संगे बेसी सँ बेसी सहयोग आ सुविधा जरूरतमंद लग पहुँचा सकय छी। सिस्टम पर दोष लगेनाई आ सिस्टम सँ लड़ि ओकरा बदलय लेल ई समय नहिं अछि तैं आग्रह जे एखन जे सिस्टम चलि रहल अछि ओहिमें जुड़ि जिलाधिकारी सँ लय क पंचायत स्तर पर जतय जतेक संभव हुए त संग दी आ सुरक्षित अपन घर पर रही।

“एहि चाइनीज वायरस सँ लड़त इंडिया आ जीतत इंडिया”

 

 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *