अमरनाथ गामी : एहन प्रतिनिधि जे सबसँ पहिले अपन क्षेत्रक जनता लग पहुँचलाह

Image

अमरनाथ गामी : एहन प्रतिनिधि जे सबसँ पहिले अपन क्षेत्रक जनता लग पहुँचलाह

हायाघाट । प्रतिनिधि

ओना त ‘चीनी वायरस- कोरोना’ सँ एहि विश्वव्यापी लड़ाई में पूरा देश एकजुट भय योगदान दय रहल अछि, सबगोटे अपन-अपन स्तर पर किछु ने किछु कय रहल छथि। एहन समय में बात उठैत रहल छल जे जनप्रतिनिधि सब गायब छथि आ आम जनता परेशान अछि। लाखों घोषणा भेलाक बाद आम जनता तक किछु बेसी मदद नहिं पहुँच सकल।
Image
एहन में हायाघाट के विधायक अमरनाथ गामी अपन क्षेत्र के लोक लेल पहिल दिन सँ लागल छथि। अपन विधानसभा क्षेत्र के हरेक पंचायत में अपन क्षमतानुसार प्रति पंचायत (5000रु.) पाँच हजार टका साबून आ सैनिटाइजर लेल पठेलन्हि आ सतत अपन क्षेत्र के लोक सँ समन्वय में छथि जे कोनो गरीब-मजबूर लोक भूखे नै रहथि।

 

Image

 

 

 

एहन समय में जहाँ लाकडाउन में लोक मजबूर छथि ओहन स्थिति में समाज के हर जरूरतमंद वर्ग तक मदद पहुँचाबय लेल अग्रसर छथि गामीजी। विदित होई जे गामी जी दरभंगा के क्षेत्रीय पत्रकार लोकनि जे एहि संकटकाल में रिपोर्टिंग कय रहल छथि हुनका सबके सेहो आर्थिक मदद कय रहल छथि।

 

 

 

 

 

 

 

एहन विकराल समय में अगर कियो वास्तविक रूपे सहयोग आ समाजसेवा के इच्छा राखय छथि त वर्तमान सिस्टम के संगे बेसी सँ बेसी सहयोग आ सुविधा जरूरतमंद लग पहुँचा सकय छी। सिस्टम पर दोष लगेनाई आ सिस्टम सँ लड़ि ओकरा बदलय लेल ई समय नहिं अछि तैं आग्रह जे एखन जे सिस्टम चलि रहल अछि ओहिमें जुड़ि जिलाधिकारी सँ लय क पंचायत स्तर पर जतय जतेक संभव हुए त संग दी आ सुरक्षित अपन घर पर रही।

Image

“एहि चाइनीज वायरस सँ लड़त इंडिया आ जीतत इंडिया”

 

 

 

 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *