नहि रहलाह- राजनन्दन लाल दास :: डा रवीन्द्र कुमार चौधरी

image

नहि रहलाह- राजनन्दन लाल दास
मैथिलीक अनन्य सेवक, कोलकातासॅं प्रकाशित मैथिली पत्रिका-‘कर्णामृत’ क संपादक राजनन्दन लाल दास क आए एक बजे दिन मे हुनक कोलकाता आवास पर देहावसान भ’ गेलनि। दरभंगाक घनश्यामपुर- गोनौनमे 25 जनवरी, 1934 मे हिनक जन्म भेल छलनि। कोलकाता विश्वविद्यालयसं राजनीति विज्ञान विभागमे एम.ए. कएलाक बाद ओतहि एक कम्पनी मे मार्केटिंग मैनेजर क पद पर अपन जीविकोपार्जन प्रारंभ केलनि।
मैथिली मे सन्तो (नाटक), चित्रा-विचित्रा (आलेख संग्रह), मिथिलाक विकास मे कर्णगोष्ठीक योगदान, भोला लाल दास, मुंशी रघुनंदन लाल दास, डा प्रबोध नारायण सिंह (विनिबंध) पोथी प्रकाशित छनि। मैथिली पत्रिका कर्णामृतक 1981सं 2019 धरिमे 156 अंकक संपादन क’ चुकल छथि। एहि संग आखर पत्रिका क सेहो संपादन क चुकल छथि।
हिनका पांच पुत्री छलनि। जाहिमे दू पुत्री आजन्म कुमारि रहि अपन माय-बापक सेवा करबाक लेल संकल्पित छथि।
मैथिलीक एहि अनन्य सेवक व दधिचि क निधनसं मैथिली साहित्यक अपूर्णीय क्षति भेल अछि। विनम्र श्रद्धांजलि।
🙏 डा रवीन्द्र कुमार चौधरी

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *