गुरुपूर्णिमा विशेष – विश्वप्रसिद्ध मिथिला चित्रकलाक कलागुरू कृष्ण कुमार कश्यपजी के समर्पित होयत मिथिला लोक-चित्रकला प्रतियोगिता 2021 रजिस्ट्रेशन भेल प्रारंभ :: मणिभूषण ‘राजू’

Image

गुरुपूर्णिमा विशेष – विश्वप्रसिद्ध मिथिला चित्रकलाक कलागुरू कृष्ण कुमार कश्यपजी के समर्पित होयत मिथिला लोक-चित्रकला प्रतियोगिता 2021 रजिस्ट्रेशन भेल प्रारंभ :: मणिभूषण ‘राजू’

मिथिला लोक-चित्रकला प्रतियोगिता 2021 विश्वप्रसिद्ध मिथिला चित्रकलाक कलागुरू कृष्ण कुमार कश्यपजी के समर्पित होयत। कश्यपजी पहिल मिथिला चित्रकला प्रतियोगिता 2019 के निर्णायक मंडल के अध्यक्ष संगहि एहि प्रतियोगिताक प्रारंभ के प्रेरणास्रोत छलाह। हमसब आयोजक रही आ हमरा सबसँ वा कलाकारगण सँ बेसी उत्साहित छलथि एहि प्रतियोगिताक प्रारंभ आ सतत आयोजन लय क।

Image

बरहेता, दरभंगाक निवासी मिथिला विभूति स्व. श्री कृष्ण कुमार कश्यप मिथिला चित्रकलाक वृहत आयाम आ मिथिला चित्रकला प्रशिक्षण में समस्त जीवन समर्पित कयलन्हि। मिथिला चित्रकला के अनेक पुस्तक के लेखन संग हजारों कलाकारगण के प्रशिक्षक, मार्गदर्शक आ गुरूके रूप में हमसब हुनक सतत वंदन करैत छी।
आई गुरूपूर्णिमा के अवसर पर हमसब ई सूचना प्रेषित करैत आई सँ रजिस्ट्रेशन प्रारंभ कय रहल छी।
रजिस्ट्रेशन शुल्क पछिला वर्षक भाँति 501/- रहत।

Image

प्रतियोगिताक विशेष जानकारी नियम आ शर्त के संग जल्दिए सार्वजनिक होयत।

Image

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *