दरभंगाक आशुतोष मिश्र गुफ़्तगू साहित्य समारोहमे कैलाश गौतम सम्मान सँ अलंकृत भेलाह

image

दरभंगाक आशुतोष मिश्रकेँ गुफ़्तगू साहित्य समारोहमे कैलाश गौतम सम्मान सँ अलंकृत भेलाह। रविदिन प्रयागराजमे भेल गुफ्तगू साहित्य समारोह २०२१ मे देशभरि सँ प्रतिष्ठित साहित्यकार लोकनि आओर वरिष्ठ पत्रकारक उपस्थितिमे भेल कार्यक्रममे दरभंगाक युवा आशुतोष मिश्रकेँ हिन्दी-मैथिली भाषा एवं साहित्यक क्षेत्रमे योगदानक लेल कैलाश गौतम सम्मान पण्डित केशरीनाथ त्रिपाठी( पूर्व राज्यपाल पश्चिम बंगाल) सर्वश्रेष्ठ त्रिपाठी ( डीआईजी/एस एसपी) कमरुल हसन सिद्दीकी( पूर्व अपर महाधिवक्ता) केँ द्वारा देल गेलनि।लालबाग दरभंगाक रहनिहार आशुतोष मुख्यरूपेण शोधकर्ता छथि जे स्वतंत्रता सेनानी लोकनि पर मुख्य रूप सँ काज करैत छथि। हिनक मैथिली मे स्वतंत्रता संग्राममे दरभंगाक भूमिका पर अनेको मह्त्वपूर्ण आलेख छनि संगहि कतेको कविता खिस्सा दर्जनभरि मैथिली पत्रिकामे छपि चुकल अछि, हिनक मैथिली मे शोधपूर्ण आलेखक पोथी लालबाग दर्पण आबि गेल अछि।प्रयागराजमे देशभरि केँ उत्कृष्ट साहित्यकार व पत्रकार लोकानि केँ अकबर इलाहाबादी,कुलदीप नैयर , सीमा अपराजिता आओर कैलाश गौतम सम्मान सँ सम्मानित भेलाह।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *