जन्मदिन विशेष :: श्री लालदेव कामत

जन्मदिन विशेष :: श्री लालदेव कामत
नौआबाखर, घोघरडीहा सँ पत्रकार,समीक्षक संगे लेखक श्री लालदेव कामत जी मिथिला-मैथिली हेतु हृदयसँ समर्पित लोक में एक छथि। समसामयिक हर घटना पर बारीकी सँ नजर राखि सोशल मीडिया आ सम्पर्क मीडिया के माध्यम सँ अपन विचार स्वतंत्र रूप सँ सतत रखैत रहय छथि।
सह संपादक – कोसी संदेश (मैथिली पत्रिकाक) छथि आओर हिनका द्वारा रचित विभृति (भाजपा सँ संबंधित) मैथिली पोथी छी,
हमसब हिनका एकटा सम्पूर्ण समाजसेवी के रुप में जानय छी फुलपरास विधानसभा सँ पूर्व विधायक प्रत्याशी रहि चुकल छथि वर्तमान मे जिला अति पिछड़ा मोर्चा, झंझारपुर भाजपा मे महामंत्री छथि आ सतत बाबूजीक पुस्तकालय हेतु हिनक सहयोग भेटैत रहैत अछि। सम्पूर्ण कहबाक तात्पर्य ई अछि कि मिथिला में सम्पूर्ण परिवार एहन बहुत कम छथि जे मैथिलीसेवी होईथ। लालदेव कामतजी सपरिवार मैथिलीसेवी छथि। हिनक अनुज महाकांत प्रसाद (+2 वाटसन हाई स्कूल मधुबनी) , जेष्ठ सुपुत्र सुभाष कुमार कामत माझिल सुपुत्र कैलाश कुमार आनंद सेहो हृदय सँ समर्पित मिथिला – मैथिली के अभियानी छथि आ मैथिली साहित्यक एकटा उभरैत सितारा छथि।
आई जन्मदिन के सुअवसर पर श्री लालदेव कामत जी के समस्त मैथिल मंच परिवार के तरफ सँ ढ़ाकीभरि बधाई आ शुभकामना। माँ भगवती अहाँ के दीर्घायु देथि आ अहाँ हमरा सबके सतत मार्गदर्शन करैत रही यैह इच्छा अछि हमर सबके।

जय मिथिला
जय जय मैथिल

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *