राष्ट्रवादी हेमन्त झा काँड के अछि जमाती विधायक कनेक्शन, फर्जी प्रोपेगैंडा के तहत पसारल गेल अछि गलत खबर:: मणिभूषण राजू

विदित होई कि पछिला दू दिन सँ दरभंगा में एकटा समाचार वायरल कयल गेल छल कि दरभंगा बीजेपी के कद्दावर राष्ट्रवादी नेता अपन पार्टी के अश्लील विडियो भेजय छलाह जहिसँ परेशान भय क नेत्री पार्टी के आलाकमान आ प्रदेश नेतृत्व के लिखित आ मौखिक शिकायत दर्ज करेलनि।

एतेक पैघ घटना भेल दरभंगा में आ सूचना नहि पहुँच रहल छल, वायरल नै भय रहल छल त किछु दरभंगावादी चमनजी सबके बर्दाश्त नहिं भेलन्हि आ ओ सब एकटा कैंपेन बनाकय एकटा संगठित अभियान चलाकय आ कैंपेन बनाकय सबके फोन कयनाई प्रारंभ कयलथि। एहने सन फोन मैथिल मंच के संवाददाता के सेहो पहुँचलि आ एहिपर लिखय लेल दवाब बनाबय के प्रयास कयल गेल जे नेता ब्राह्मण छथि त अहाँसब नै लिखबै विरोध में……….

तहन एहि खबर पर संज्ञान लैत हेमन्त झा सँ सम्पर्क करबाक प्रयास कयल गेल मुदा सम्पर्क नहि भय सकल। ओहिके बाद जिला भाजपा के वरिष्ठ अधिकारी लोकनि सँ सम्पर्क कयल गेल त एहन सन कोनो घटनाक जानकारी सँ अनभिज्ञता बतेलन्हि।

प्रदेश भाजपा के कार्यालय सँ सम्पर्क स्थापित कयल गेल मुदा ओतौ सँ एहन सन कोनो घटनाक पुष्टि नै भेल।

तहन दरभंगा जिलाक महिला मोर्चा के सदस्यगण सँ सम्पर्क कयल गेल त क्रमश: सबगोटे आश्चर्यचकित भेलीह आ एहन सन घटनाक संभावना सँ इनकार कयलन्हि। एकटा नेत्री कहलन्हि हेमन्त जी हमर सबके पैघ भाई समान छथि आ पार्टीक कार्यक्रम में ठीक सँ कोनो महिला नेत्री सँ बात नै करय छथि आ अहाँसब हुनका पर एहन घटिया आरोप लगा रहल छी, अहाँ मीडियावला लोक सबके शर्म आबक चाही कि बिना सत्यता जानने ककरो.खबर वायरल करय के प्रयास करय छी अपन पब्लिसिटी लेल आ ओ फोन काटि देलीह।

एहि बीच में पटना आ दिल्ली सँ तीन टा तथाकथित न्यूज वेव-पोर्टल चलाबयवला मिथिलावादी पत्रकार लोकनि के लोक सबके एहि खबर के वायरल करबाक अभियान के खबर आयल आ ई खबर आगिक तरह पसरि गेल। चूंकि खबर एकटा सक्रिय युवानेता सँ संबंधित छल त बेसी पसरनाई स्वाभाविक छल।
फेर हेमन्त झा स्वयं आगा आबि एहि खबर के बारे में अपन.पक्ष रखलाह आ एकरा एकटा साजिश कहलाह आ एहि घटनाक जाँच के आग्रह कयलाह अपन पार्टी के आलाकमान आ प्रदेश नेतृत्व सँ आ समस्त दरभंगा आ मिथिलाक समाज सँ सेहो आग्रह कयलाह।
हेमन्त झा के बारे में एहन खबर सुनि हुनक नजदीकी मित्रलोकनि आ परिवारक सदस्य बहुत आहत छथि आ एकर निष्पक्ष जाँचक मांग कय रहल छथि। करीबी राजनीतिक आ गैर-राजनीतिक मित्रलोकनि के अनुसार हेमन्त झा के बढ़ैत राजनीतिक पहुँच आ वर्तमान आबयवला चुनाव में हुनका कमजोर करबाक प्रोपेगैंडा अछि ई। नाम जाहिर नै करबाक शर्त पर किछु गोटे एकरा जमाती विधायक सँ कनेक्शन होबाक दावा कयलन्हि।

जाँच पार्टिगत मुद्दा अछि मुदा की मैथिल समाज ककरो पर एहन घटिया आरोप लगाकय बदनाम करबाक प्रयास के कहियो संग देत???
बिल्कुल नै…..

पटना, दिल्ली में रहि तथाकथित मिथिलावादी न्यूज-पोर्टल चलाकय मात्र पेज लाईक आ व्यूबढ़ाबय लेल ई न्यूज वायरल करयवला आ एहिलेल कैंपेन चलाबयवला महान पत्रकार लोकनि के त पूरा नामक जानकारी नहि छलनि जिनका बारे में आरोप लगा बदनाम करबाक प्रयास कयलन्हि। हुनक सबके नेटवर्क एतेक तेज छलनि जे दरभंगा में घटनाक चर्चा तक नै भेल हुनकासबके पूरा जानकारी भेटि गेलन्हि आ ओ सब पसारि देलनि अपन पत्रकारिता के सम्पूर्ण शक्ति लगाकय।
एकटा मिथिलावादी बिहारी पत्रकार जे दिल्ली सँ चुनावी कैंपेन लेल केवल एहने भ्रामक समाचार पसारय लेल मासिक तनखा पर राखल गेल छथि नेता विशेष के चुनाव प्रचार लेल, ओ अपन निजी विचार कहि एकरा सबसँ बेसी थोपय के प्रयास कयलथि।
पटना में रहयवला नागार्जुनसम्राट एवार्डी मिथिलावादी बिहारी साहित्यकार सेहो आलेख लिखि लिखि क सबके पठेलथि जे ई खबर मिथिला में क्रांति आनि देत सबगोटे लिखू आ शेयर करू।

एतेक घटनाक्रम पर अध्ययन कयलाक बाद ई आलेख लिखबाक प्रयोजन बुझायल।
निष्पक्ष पड़ताल में ई खबर पूरा तरह सँ बेबुनियाद अछि आ शत-प्रतिशत राजनीति सँ प्रेरित अछि।
केकर राजनीति आ कथीलेल राजनीति ई संबंधित लोक सबके बात छनि मुदा एकटा दरभंगा के लोक, मिथिला के जनता में ई संस्कार नहि अछि कि ककरो सँ राजनीतिक दुश्मनी निकालय लेल बेबुनियाद आरोप लगा ककरो चारित्रिक हनन करबाक प्रयास करी।

एहि समाचार के पड़ताल सँ संबंधित एक सौ सय बेसी फोन रिकार्डिंग उपलब्ध अछि जे स्वत: साबित करैत अछि कि ई एकटा प्रोपेगैंडा के तहत पसारल गेल भ्रामक खबर छल आ मैथिल मंच एहि तरहक प्रोपेगैंडा के विरोध करैत अछि।


2 Comments

    1. खबर के विस्तृत जानकारी भेटल, बहुत जल्दिए एहि सम्पूर्ण घटना के खोईंचा छोड़ायल समाचार आयत।

Leave a Reply to प्रवीण Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *