अपन जनप्रतिधि लोकनि उदासीनता देखि शर्म महसूस होईत अछि, एहिलेल अपन सहयोग सँ सड़क के गड्ढ़ा सब भरेलौ :: मिथिला आँदोलनकारी अमित झा

अपन जनप्रतिधि लोकनि उदासीनता देखि शर्म महसूस होईत अछि, एहिलेल अपन सहयोग सँ सड़क के गड्ढ़ा सब भरेलौ :: मिथिला आँदोलनकारी अमित झा

हरलाखी विधानसभा के सोनई पंचायत में सड़क के दुर्दशा भेल अछि आ लोक त्रस्त छथि। रामाशीष यादव, रामनरेश पाँडे, शालीग्राम यादव सँ लय क वर्तमान के सुशासन सरकार के अनुकंपा प्राप्त विधायक तक के.40 सालक समाजवादी, वामपंथी, बिहारवादी सँ लय राष्ट्रवादी विधायक तक के कार्यकाल में एहने दुर्दशा रहल एहि क्षेत्रक सड़क के।
पलायन के देवार तोड़ि अपन मिथिला, अपन गाम में किछु करबाक उद्देश्य सँ आयल समाजसेवी अमित झा जिनक.कि आटो चलैत छनि एहि क्षेत्र में। बेर-बेर समस्या देखैत आ पछिला दिनक बारिश में हिनक आटो पलटि गेल छलनि चलैत काल में एहि सड़क पर। आई अमित जी अपन खर्च सँ पाँच टेलर इंटा मंगाकय रोड के गड्ढा सब भरवेलाह।
विदित होई कि अमित जी सतत एक महीना सँ दरभंगा, मधुबनी आ सीतामढ़ी सँ बाहर सँ आयल लोक सबके स्टेशन सँ घर निशुल्क छोड़य छलथि आ अपन क्षेत्र लेल सतत तत्पर रहय छथि।
अमित जी द्वारा कयल ई काज इलाका के लोक लेल लाभकारी भेल आ ई गौरवान्वित करैत अछि जनता के मुदा जनप्रतिधि लोकनि के लेल ई शर्म के बात होबाक चाही जे अहाँक क्षेत्र के टूटल सड़क जनता के परेशानी त दैए रहल अछि आ सोशल मीडिया में सड़क के फोटो सँ देशभरि में बदनामी भय रहल अछि, डूबि मरू हे अनुकंपावला विधायक आ साँसद।


1 Comments

  1. Bahut Sundar kadam Amit Babu ….bhagwan apnai Kai sada khuss rakhau,aam aadmi ,garib,lachar sab Kai haath khoyel kah sewa karu

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *