ढ़हल तिलिस्म :: दरभंगिया पात्रा बालेन्दु झा ‘बालाजी’ बनलाह युवा मोर्चाक जिलाध्यक्ष

Image

टूटल तिलिस्म :: दरभंगिया पात्रा बालेन्दु झा बनलाह युवा मोर्चाक अध्यक्ष

दरभंगा । सुधा नंदन झा
भारतीय जनता युवा मोर्चा के दरभंगा जिला अध्यक्ष के नामक घोषणा सँ जिला के युवा उत्साहित भेलथि।
दरभंगिया पात्रा के नाम सँ प्रसिद्ध सर्वप्रिय बालाजी अर्थात बालेन्दु झा भाजयुमो, दरभंगा के अध्यक्ष चयनित भेलाह।
एकटा प्रखर वक्ता, समर्पित कार्यकर्ता आ उचितवक्ता समाजसेवक के रूप में हिनक परिचय रहल छनि।
एखन चायनीज वायरस-कोरोना के एहि महाविकट समय में चौबीसों घंटे समाज लेल हिनक समर्पण देखि जे गरीब आ जरूरतमंद लोकनि के आशीर्वाद भेटलन्हि ओकर परिणाम आई दृष्टिगत भेल आ एकटा समर्पति कार्यकर्ता के यथोचित सम्मान भेटल।

 

समस्त मैथिल मंच परिवार के तरफ सँ बालेन्दु झा ‘बालाजी’ के नव जिम्मेदारी के अशेष बधाई आ शुभकामना।
माँ भगवती अहाँ के सतत एहिना अग्रसर राखथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *