पटना के प्रसिद्ध आयुर्वेदिक चिकित्सक वैद्य गणपति नाथ झा के क्लिनिक प्रारंभ भेल टावर चौक दरभंगा में

Image

पटना के प्रसिद्ध आयुर्वेदिक चिकित्सक वैद्य गणपति नाथ झा के क्लिनिक प्रारंभ भेल बसेरा होटल के नजदीक टावर चौक पर।
क्लिनिक के उद्घाटन मिथिला मैथिली के पुरोधा आ वरिष्ठ समाजसेवी डॉ. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ द्वारा लाकडाऊन के नियम पालन करैत कयल गेल।

Image

वैद्य गणपति नाथ झा ग्राम -तीसी बलिया बेनीपट्टी मधुबनी के मूल निवासी छथि। मिथिला-मैथिली आ समाजसेवा में पटना के एकटा प्रमुख नाम छथि। बिहार सरकार के लॉ डिपार्टमेंट सँ सेक्शन आफिसर के पद सँ 2015 में रिटायर भेलाक बाद 2018 सँ दरभंगा आबि सेवा दय रहल छथि।
ज्ञातव्य हो कि वैद्य गणपति नाथ झा आयुर्वेद के नीक डॉक्टर छथि, 30 वर्ष सँ बेसीक अनुभव के संग पटना में निजी क्लिनिक छलनि आ स्टेट बैंक आफ इंडिया, पटना के चिकित्सा सलाहकार सेहो रहल छथि। मैथिली आँदोलन 1979-81 के एकटा प्रमुख चेहरा रहल गणपति जी मिथिला-मैथिली के अग्रणी संस्था चेतना समिति के 40 वर्ष सँ बेसी सँ कार्यकर्ता आ वर्तमान में कार्यकारिणी सदस्य छथि।

उद्घाटन समारोह में दरभंगा के अनेको विशिष्ट जन सम्मिलित भेलथि डा. अयोध्यानाथ झा, निगम पार्षद
अजय जलान, निगम पार्षद सोहन यादव, श्री इन्द्र कुमार झा, डा. जगदीश शाह, हीरेन्द्र कुमार झा, अशोक मेहता, कृष्णानंद जी,  डा. शशिभूषण झा, आदि उपस्थित भेलथि।

निदान स्थल : होटल बसेरा के सामने, टावर चौक, दरभंगा।
समय : भोरे 9 बजे सँ 12 बजे
साँझ 4 बजे से 7 बजे
सम्पर्क : 9430033564


7 Comments

  1. नीक शुरुआत….. अनंत मंगलमयकामना….. जय मिथिला….जय जानकी।

  2. सीजर वाला बच्चा के इलाज संभव अहि की जानकारी देल जाय

Leave a Reply to Mani Bushan Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *