किशनगंज जिला के गाम करुआमणि, दिघ्लबैंक सँ प्रारंभ भेल संकल्प मिथिला राज्य पदयात्रा :: मणिभूषण राजू

किशनगंज जिला के गाम करुआमणि, दिघ्लबैंक सँ प्रारंभ भेल संकल्प मिथिला राज्य पदयात्रा :: मणिभूषण राजू

किशनगंज । 15 मार्च
संकल्प मिथिला राज्य हेतु पदयात्रा के प्रारंभ मिथिला के वरिष्ठ मिथिला राज्य अभियानी लोकनि के आशीर्वाद आ मार्गदर्शन सँ प्रारंभ भेल। मिथिला-मैथिली के वरिष्ठ ध्वजावाहक अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के राष्ट्रीय अध्यक्ष डॉ. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ जी आ अखिल भारतीय मिथिला पार्टी के अध्यक्ष प्रो. उदय शंकर मिश्र जी संगहि मार्गदर्शक विनोद कुमार झाजी के आशीर्वाद सँ किशनगंज जिला के दिघ्लबैंक ब्लाक के करुआमणि गाम सँ प्रारंभ भेल।
एहि यात्रा के अग्रसर आ संयोजक ई. शिशिर कुमार झा, विजय मिश्र आ ई. मणिभूषण राजू के नेतृत्व में पुरुषोत्तम वत्स, पप्पू साह, गिरधारी झा, विकास कुमार, अनिल झा, दीपक कुमार, सुनील कुमार, शम्भू ठाकुर, चन्द्रमोहन दास, दीपक कुमार राय, बुधलाल ठुड्डू आदि अन्य गोटेक संग यात्राक शुभारंभ कयल गेल।
पहिल दिनक यात्रा में करुआमणि सँ दिघ्लबैंक होईत सुदूर ग्रामीण इलाका में मिथिला राज्य हेतु जनजागरण कयल गेल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *