“मिथिला रोजगार मेला – २०२३” आयोजक : मैथिल समन्वय समिति।

“मिथिला रोजगार मेला – २०२३”
आयोजक : मैथिल समन्वय समिति।
*****************************
मैथिल समन्वय समिति मिथिला क्षेत्रक बेरोजगार युवक/युवती समेत इच्छुक उम्मीदवारकें नौकरी उपलब्ध करेबाक लेल आगामी ३० अप्रैल, २०२३ कें दरभंगामे “मिथिला रोजगार मेला – २०२३” केर आयोजन कS रहल अछि। एहि मेला केर अंतर्गत मिथिलाक शिक्षित बेरोजगार युवकजनकें शैक्षणिक आधार पर विभिन्न कम्पनीमे नौकरी उपलब्ध करेबाक प्रयास कयल जायत।

“मिथिला रोजगार मेला – २०२३” केर आयोजनक मुख्य उद्वेश्य अछि इच्छुक अभ्यर्थीकें एक्कहिं स्थान पर आमंत्रित करैत रोजगार उपलब्ध करेबाक प्रयास। सर्वविदित अछि शिक्षित भेला उपरांतहुँ युवकजन नौकरी प्राप्त करबामे असफल भेला कारणें मानसिक तनाव तथा आर्थिक समस्यासँ ग्रसित रहैत छथि। अस्तु, एहि तनाव तथा विषादसँ मुक्तिक लेल समिति “मिथिला रोजगार मेला – २०२३” केर आयोजन करबाक लेल उन्मुख भेल।

अत: इच्छुक अभ्यर्थी/उम्मीदवार अपन सम्पूर्ण विवरण नीचाँ देल गेल लिंक वा वेबसाइट पर टंकित कय आवेदन किंवा पंजीकरण कराबी। धन्यवाद।

एहि लिंक पर पंजीकरण कराबी।
१) https://docs.google.com/forms/d/e/1FAIpQLSfFFou3OJV-gweX3JK4WU-BGAWeIebi0RrYuHz_KE9T1GKFJg/viewform

२) maithil.org पर सेहो जाॅब फेयर पर पंजीकरण करा सकैत छी।

निवेदक :
प्रमोद कुमार झा
सह संयोजक
मैथिल समन्वय समिति

Leave a Reply

Your email address will not be published.