मिथिला राज्यक मांग हेतु आयोजित संकल्प यात्राक तेसर दिन पूर्णियाँ शहर में पदयात्रा कयल गेल :: विजय मिश्रा

मिथिला राज्यक मांग हेतु आयोजित संकल्प यात्राक तेसर दिन पूर्णियाँ शहर में पदयात्रा कयल गेल :: विजय मिश्रा

संकल्प मिथिला राज्य पदयात्राक तेसर दिन पूर्णियाँ शहर के विभिन्न जगह पर पदयात्रा कय जनजागरण कयल गेल। अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के पूर्णियां सदस्या ममता झा आ संतोष कुमार झा, अंकित कुमार झा, इम्तियाज अहमद, संजय यादव, अरुण साह, विकास दास, वरिष्ठ नर्तक अमित कुँवर आदि लोक भाग लेलाह आ जनजागरण कयल।
ईं. शिशिर कुमार झा अपन ओजस्वी वक्तव्य सँ लोक में उत्साह प्रदान कयलथि आ समस्तीपुर सँ आयल पदयात्री आ कार्यकारिणी सदस्य विजय मिश्र जी मिथिला राज्यक औचित्य पर चर्चा कयलथि आ एकरा अपन सबके अस्तित्व आ अस्मिता के लेल आवश्यक कहलथि।
मणिभूषण राजू आ पुरुषोत्तम वत्स सेहो समर्थन में अपन विचार रखलाह।


5 Comments

  1. अतिसुन्दर प्रयास! जनसहयोग सँ बेसी जनभागीदारी महत्त्वपूर्ण अछि, एहि हेतु विशेष कार्यबल देबाक आवश्यकता!
    जनजागृति त’ अनिवार्य अछिहे!
    शुभास्ते सन्तु पन्थानः! 💐💐

Leave a Reply to Mani Bushan Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *