चारिम दिन धमदाहा मे जन जागरण अभियान चलोलनि मिथिला राज्य संकल्प पदयात्री :: प्रवीण झा

चारिम दिन धमदाहा मे जन जागरण अभियान चलोलनि मिथिला राज्य संकल्प पदयात्री :: प्रवीण झा
—————–
पृथक मिथिला राज्य केर गठनक मांग लेल आम मिथिलावासी कें जागरूक करबा लेल अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक तत्वावधान मे किशनगंज सँ प्रारंभ भेल संकल्प पदयात्रा शनि दिन धमदाहा में जन जागरण अभियान चलोलक। एहि मे
समितिक राष्ट्रीय कार्यकारिणी केर सदस्य अवनींद्र ठाकुर केर नेतृत्व में निर्मल कु० झा, निशिकांत ठाकुर, सत्यनारायण यादव, मुखिया निशिकांत झा, उदयकांत झा, शंकरनाथ ठाकुर, मनोज कु०झा, अमरेन्द्र सिंह, अमरकांत झा, पं० अनंत चौधरी, बंकिम ठाकुर, महाकांत झा, दीनानाथ झा, पप्पू ठाकुर, वार्ड पार्षद पवन ठाकुर, जवाहर ठाकुर आदि पूर्ण उत्साह सँ भाग लेलनि आ स्थानीय लोक कें मिथिलाक सर्वांगीण विकास लेल पृथक मिथिला राज्यक गठन लेल संकल्पित होयबाक आह्वान कयलनि।
एहि अवसर पर पदयात्राक संयोजक ईं. शिशिर कुमार झा अपन संबोधन में मिथिलक सर्वांगीण विकास लेल पृथक मिथिला राज्यक गठन कें महत्वपूर्ण बतोलनि। ओतहि समस्तीपुर सँ आयल समितिक कार्यकारिणी सदस्य विजय मिश्र मिथिला राज्यक गठनक औचित्य पर विस्तार सँ चर्चा करैत एकरा मिथिला, मैथिली आ आम मिथिलावासीक अस्तित्व आ अस्मिता लेल जरूरी बतोलनि। पदयात्राक संयोजन में प्रमुख भूमिका निभोनिहार मणिभूषण राजू आ पुरुषोत्तम वत्स अपन संबोधन में विशेष रूप सँ युवा शक्ति कें एहि अभियानक मुख्य धारा सँ जुड़बाक अपील कयलनि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *