प्रधानमंत्रीक मन मोहलक मिथिलाक धिया राखी केर कलाकारी

प्रधानमंत्रीक मन मोहलक मिथिलाक धिया राखी केर कलाकारी
——–
लौहपुरुष सरदार बल्लभभाई पटेलक 151म जन्मोत्सव केर उपलक्ष्यमे “भारत पर्व – 2026, एक भारत श्रेष्ठ भारत” कार्यक्रमक आयोजन स्टैच्यू ऑफ युनिटी, एकता नगर, गुजरातमे कयल गेल। एहिमे प्रधानमंत्रीक समक्ष मिथिला चित्रकलाक प्रदर्शन लेल बिहार पर्यटन विभागक दिससँ एक जिला एक उत्पाद(ओडीओपी) केर सीधा प्रसारण लेल दरभंगाक मैथिल मंच संस्थानक चयन कयल गेल।
प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केर समक्ष मैथिल मंचक प्रधान मणिभूषण राजू केर नेतृत्वमे बिहारक प्रतिनिधिनित्व कयल गेल आ मिथिला चित्रकलाक अंतर्गत राखी कुमारी द्वारा प्रधानमंत्री केर समक्ष एकर निर्माणक सीधा प्रदर्शन कयल गेल। प्रदर्शनक दौरान राखी मिथिलाक महान लोकपर्व छठि केर थीम पर पाग आ बाँसक विभिन्न उपकरण पर उत्कृष्ट कलाकारी क’ सबहक मन मोहि लेलनि। हुनक मनमोहन कलाकारीसँ सुसज्जित पाग आ दोपटा प्रधानमंत्री कें प्रदान क’ पर्यटन विभागक अधिकारी शालिनी, करोड़ों मिथिवासी आ बिहार प्रदेश दिससँ प्रधानमंत्रीक अभिनन्दन कयलनि।
विदित हो जे राष्ट्रीय एकता दिवस केर अवसर पर आयोजित भ’ रहल ई आयोजन आगामी 15 नवंबर धरि चलत। जाहिमे देशभरि केर सभ राज्यसँ ओडीओपी उत्पाद केर निर्माणक सीधा प्रदर्शन करबा लेल एक जिलासँ एक कलाकारक चयन विभिन्न विधामे कयल गेल अछि।
राष्ट्रीय स्तर पर आयोजित एहि प्रदर्शनी केर दौरान प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक समक्ष मिथिलाक धिया राखी द्वारा मिथिलाक धरोहरि कलाक उत्कृष्ट प्रदर्शन कयला पर प्रसन्नता जाहिर करैत विद्यापति सेवा संस्थानक अध्यक्ष सह कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालयक पूर्व कुलपति प्रो शशिनाथ झा, महासचिव डॉ बैद्यनाथ चौधरी बैजू, कार्यकारी अध्यक्ष डॉ बुचरू पासवान, सचिव प्रो जीवकांत मिश्र, मीडिया संयोजक डॉ प्रवीण कुमार झा, मैथिली अकादमी केर पूर्व अध्यक्ष पं कमला कांत झा, वरिष्ठ गीतकार डॉ चंद्रमणि झा, वरिष्ठ साहित्यकार डॉ महेंद्र नारायण राम, विनोद कुमार झा, प्रो विजय कांत झा, प्रो. चंद्रशेखर झा बूढाभाई, वैद्य गणपति झा, अमरनाथ चौधरी, आशीष चौधरी आदि बधाई दैत कहलनि जे एहि महत्वपूर्ण प्रदर्शनीक लेल मिथिलाक बेटी राखी केर चयन होयब आ एहिमे प्रधानमंत्रीक समक्ष हुनका द्वारा उत्कृष्ट प्रदर्शन करब समस्त मिथिलावासी लेल गौरवक गप अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *