दुनिया चाँद पर जा रहल अछि हम सड़क के लेल खेखनि रहल छी :: पुरुषोत्तम वत्स

दुनिया चाँद पर जा रहल अछि हम सड़क के लेल खेखनि रहल छी :: पुरुषोत्तम वत्स

आई दिनांक : 16 जून 2020 सहसराम पंचायत के अथार गाँव में शंकर रोहाड़ सँ सिसौनी सड़क के संदर्भ में दरभंगा सांसद गोपालजी ठाकुर के पुतला दहन कयल गेल ।

पुरुषोत्तम वत्स के नेतृत्व में स्थानीय युवालोकनि एक सुर में कहलथि कि ई क्षेत्र 3 दशक सँ एहि जर्जर सड़क के कारण एतय के जनता के अत्यंत कष्ट के सामना करय पड़ि रहल अछि लेकिन दुर्भाग्य ई अछि कि सांसद के गृह क्षेत्र होबाक बावजूद ओ एहि सड़क हेतु साकारात्मक प्रयास नहि कयलथि, जबकि चुनावी समय में ओ लगातार एहि बात के चर्चा करैत रहलाह जहिसँ आम जनमानस के भरोसा छलनि कि आब गोपालजी एहि सड़क के उद्धार करता।

जखन हिनका सँ आमजनता प्रश्न पूछय छनि त जाबाव देबा सँ बचबाक प्रयास करैत छथि आ कहय छथि सवाल पूछयवला कम्युनिस्ट अछि। खैर बात जे भी रहल हो प्रभावित लोकक समस्या सँ उबारय लेल यथाशीघ्र एहि सड़क पर काज आरम्भ हो आम जनता यैह चाहैत अछि।
लोक ई नै चाहय छथि कि आम जनता जे एक मुश्किल के सामना करैत अपन दिनचर्या एहि कष्टदायी सड़क पर बिताबय छथि ।
मौका पर स्थानिए लोक के साथ राहूल झा, विद्याभूषण राय, पुरूषोत्तम वत्स, मुकुंद राय, गौरव, अभिषेक कर्ण, कौशल वत्स, राजा, मिथिलेश चौधरी, कौशल वत्स समेत अनेकों कार्यकर्ता उपस्थित छलथि।

संलग्न फोटो में सड़क के वास्तविक स्थिति देखला सँ सद्य: सड़क के आवश्यकता आ लोकक कष्केट के स्वत: अनुभव भय रहल अछि।


1 Comments

  1. _सीधी सी बात है_ *रोड नहीं तो वोट नहीं*। चाहे वो विधायक हो , सांसद, मुखिया, या सरपंच

Leave a Reply to Narendra kr Ray Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *