
पाग केर अपमान पर मचल घमासान, निंदा प्रस्ताव अनलक विद्यापति सेवा संस्थान
—————-
अलीनगर विधानसभा चुनाव प्रचारक दौरान उत्तर प्रदेशक विधायक केतकी सिंह द्वारा मिथिलाक गौरवशाली धरोहरि संस्कृति केर प्रतीक पागक अपमान पर विद्यापति सेवा संस्थान निंदा प्रस्ताव पारित क’ भाजपा आलाकमान सँ हुनका विरूद्ध कठोर अनुशासनिक कार्रवाई करबा आ सार्वजनिक रूप सँ क्षमा याचना करबाक मांग कयलक अछि। मैथिली अकादमीक पूर्व अध्यक्ष पं कमला कांत झाक अध्यक्षतामे बृहस्पतिदिन आहूत बैसारमे आनल गेल निंदा प्रस्तावक समर्थन करैत महासचिव डॉ बैद्यनाथ चौधरी बैजू कहलनि जे मिथिलाक गौरवशाली सांस्कृतिक प्रतीक पाग केर सरेआम अपमान कयला सँ करोड़ों मिथिलावासीक भावना आहत भेल अछि। ओ हुनका द्वारा कयल गेल एहि कुकृत्य कें जघन्य अपराध बतबैत कठोर अनुशासनिक कार्रवाई करबाक मांग कयलनि।
कार्यकारी अध्यक्ष डॉ बुचरू पासवान कहलनि जे मिथिलामे पाग केर स्थान सर्वोपरि अछि। ई मिथिलावासी केर मान, गुमान आ सम्मान सँ जुड़ल अछि। तें एकर सार्वजनिक रूप सँ अपमान कयनिहार कें कदापि नहि बक्सल जयबाक चाही। प्रो जीवकांत मिश्र कहलनि जे उत्तर प्रदेशक विवेकहीन नेत्री द्वारा अपमानजनक कृत्य करबा सँ बेसी दोषी ओ लोक छथि, जे हुनक एहि अशोभनीय कृत्य पर प्रतिवाद करबाक बजाय थोपड़ी पाड़ि हुनका प्रोत्साहित करबाक निर्लज्जतापूर्ण काज कयलनि। ओ कहलनि जे एहि कुकृत्य केर जतेक भर्त्सना कयल जाय, कम होयत। मणिकांत झा कहलनि जे सार्वजनिक मंच पर पाग केर अपमान कयल जायब दुर्भाग्यपूर्ण आ असहनीय अछि। डॉ महेंद्र नारायण राम कहलनि जे पागक अपमान समस्त मिथिलाक संस्कार आ संस्कृति केर अपमान अछि।
मीडिया संयोजक प्रवीण कुमार झा यूपी केर नेत्री केतकी सिंह आ मैथिली ठाकुर द्वारा पागक सरेआम अपमान कयल जयबा संबंधित सोशल मीडियामे तेजी सँ वायरल भ’ रहल वीडियो पर क्षोभ व्यक्त करैत कहलनि जे एहि सँ आम मिथिलावासी केर मान, सम्मान आ स्वाभिमान पर गंभीर चोट पहुँचल अछि। एहि सँ नहि केवल मिथिलाक संस्कृति आ परंपराक घोर उल्लंघन भेल अछि, अपितु मिथिलाक गौरव कें नष्ट करबाक निकृष्ट भाव सेहो सहजहिं प्रदर्शित भेल अछि। एहि अपराधक जतबा निंदा कयल जाय कम अछि। अध्यक्षता करैत पं कमला कांत झा कहलनि जे केतकी सिंह आ मैथिली ठाकुर द्वारा पागक अपमान कयल जायब मूर्खतापूर्ण दुर्भाग्य अछि। हिनका दूनू कें एहि अपराध लेल सार्वजनिक रूप सँ क्षमा मांगबाक चाही आ पार्टी कें हिनका लोकनिक विरुद्ध सख्त अनुशासनिक कार्रवाई करबाक चाही। भाजपा नेत्री केतकी सिंह आ मैथिली ठाकुर द्वारा कयल गेल एहि अशोभनीय कृत्य पर विनोद कुमार झा, प्रो चंद्रशेखर झा बूढा भाई, प्रो विजयकांत झा, प्रो राजकिशोर झा, प्रो रमेश झा, डॉ गणेश कांत झा, दुर्गानंद झा, डॉ महानंद ठाकुर, आशीष चौधरी, मणि भूषण राजू, पुरुषोत्तम वत्स, डॉ सुषमा झा, नवल किशोर झा, पंकज कुमार ठाकुर आदि सेहो विरोध जतेलनि।







बन्धुवर,
उत्तर प्रदेश के महिला विधायिका कुलकलंकनी केतकी सिंह आर संगीत-चुनाव व्यापारी मैथिली ठाकुर द्वारा मिथिला-मैथिल समाजक सब सँ पैघ सम्मान ‘पाग’क अपमान सँ हमर हृदय चकनाचूर भऽ गेल अछि :
मिथिला-मैथिल समाजक सम्मान ‘पाग’ के अपमान हम मैथिल समाज कथमपि बर्दाश्त नहिं करब। विधायिका कुलकलंकनी केतकी सिंह आर संगीत-चुनाव व्यापारी मैथिली ठाकुर के मांफी मांगय पड़तनि।
भाजपा समर्थक आब निर्लज्जता आर उदण्डताक हद पार कऽ देलक अछि। ओकरा सबक सिखाबऽ पड़त।
मिथिला-मैथिल समाजक अप्पन एक अलग अस्तित्व छैक, अलग पहचान छैक, अलग संस्कृति छैक। एहि समाज के आर एकर अस्मिता के जे कोनो दल अपमान करबाक प्रयास करत , ओकरा हम मैथिल शक्ति उपासक ऐहन सबक सिखेबैक जे जीवन भरि ओ नहिं बिसरत।
आउ, उत्तर प्रदेश भाजपा विधायिका कुलकलंकनी केतकी सिंह आर मैथिली ठाकुर के कृत्य के विरोध करी आर मिथिला-मैथिल समाजक सम्मान के रक्षा करी।
पाग हमर थिक पहचान
—————-
प्रखर किरण रवि चानक
आभा सम मिथिला में पाग
कुल पुरखाक गुमान मुकुट
मणि सम्मानक शुभ भाग
नहि बूझय किछु निर्लज्ज मद में
मातल किछु चुनाव-प्रचार व्यापारी
अपढ़ असभ्य अशील अमति
नर परम दूषिता मैथिली ठाकुर
आर केतकी सिंह नारी।
—
डाॅ. माया शंकर झा ‘राष्ट्रभाषा रत्न’
मिथिला स्वराज्य अभियान मंच
कोलकाता