54म मिथिला विभूति पर्व समारोहक उद्घाटन करताह माननीय मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी

54म मिथिला विभूति पर्व समारोहक उद्घाटन करताह मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी।

कवि कोकिल विद्यापति केर अवसान दिवस कार्तिक धवल त्रयोदशीक उपलक्ष्यमे एहि बेर 22, 23 आ 24 नवम्बरकें होमय बला तीन दिवसीय 54म मिथिला विभूति पर्व समारोहक उद्घाटन 22 नवम्बर कें पूर्वाह्न 12:30 बजे अपना कर-कमलसँ करबाक स्वीकृति देलनि माननीय मुख्यमंत्री मिथिलाक लाल श्री सम्राट चौधरी। आइ दरभंगा नगर विधायक सह प्रदेश भाजपा अध्यक्ष श्री संजय सरावगी जीक अगुवाईमे विद्यापति सेवा संस्थानक प्रतिनिधि मंडलसँ भेंटमे मुख्यमंत्री ई स्वीकृति देलनि। प्रतिनिधि मंडलमे संस्थानक महासचिव डॉ बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’, सचिव प्रो जीवकांत मिश्र आ मीडिया संयोजक डॉ. प्रवीण कुमार झा शामिल छलाह। सबसँ खास बात जे प्रतिनिधि मंडलसँ मुख्यमंत्री पूर्णतः मैथिलीमे गप क’ आत्मीय बोध करोलनि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *