श्यामामाई सँ आशीर्वाद लय मिथिला राज्य संकल्प यात्राक अभियानी लोकनि किशनगंज हेतु प्रस्थान कयलाह :: आशीष चौधरी

श्यामामाई सँ आशीर्वाद लय मिथिला राज्य संकल्प यात्राक अभियानी लोकनि किशनगंज हेतु प्रस्थान कयलाह :: आशीष चौधरी
मिथिला एकीकरण के प्रयास हेतु बहुप्रतीक्षित संकल्प मिथिला राज्य पदयात्रा दिनांक 15 मार्च 2023 सँ दिघ्लबैंक किशनगंज सँ प्रारंभ होबय जा रहल अछि। मिथिला राज्य अभियानी ईंजीनीयर शिशिर कुमार झा के संयोजन
मणिभूषण राजू के नेतृत्व आ पुरुषोत्तम वत्स के समर्थन सँ समस्त मिथिला-मैथिली संस्था आ संगठन के एकसंग आनि समस्त मिथिला के एकसूत्र में जोड़ि मिथिलाक घर-घर में जा क पृथक मिथिला राज्य केर आवश्यकता हेतु जनजागरण एहि पदयात्रा के मूल उद्देश्य अछि। किशनगंज सँ लय क चम्पारण तक सम्पूर्ण मिथिला अछि आ एहि क्षेत्र में बाजयवला भाषा आ बोली मैथिली अछि। राजनीतिक कुचक्र आ गलत शासन के कारण आई हमसब अलग-अलग क्षेत्र आ भाषा के नाम पर तोड़ल जाइत रहलौ आ एक तरह सँ एकटा उपनिवेश के रूप में …. मजदूर क्षेत्र के रूप में देशभरि में पसरल छी।
एहि जनजागरण आ मिथिला एकीकरण हेतु ई पदयात्रा तीन चरण में किशनगंज सँ चम्पारण तक जायत आ करबद्ध प्रार्थना संग लोक के अपन अस्तित्व आ अस्मिताक रक्षा हेतु ई संकल्प कराओत।
आऊ एहि महाअभियान में संग दी आ यथासंभव सहयोग करी।
कोनो तरहक सहयोग आ विचार हेतु 9266013065, 8826566136, 9958889191 पर सम्पर्क करी आ
आर्थिक सहयोग हेतु 8207820236 पर Google Pay / Phone Pay /PayTM कय सकय छी।
समस्त मैथिलजन सँ आग्रह जे कम सँ कम 1 टका के सहयोग अपन मिथिला राज्यक संकल्प हेतु अवश्य करी आ सूचित करी।

धन्यवाद
ईं. शिशिर कुमार झा
राष्ट्रीय प्रवक्ता आ’ मीडिया प्रभारी
अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति
ईमेल: missionmithilarajya@gmail.com
www.maithilmanch.in
पदयात्री:-
1.ईंजीनीयर शिशिर कुमार झा
2 मणिभूषण राजू
3. प्रो० प्रकाश झा
4. आशीष चौधरी
5. विजय मिश्रा
6. गिरिधारी झा
7. सुजीत कु मिश्रा
8. पप्पू साह
9. अमित झा
10. पुरूषोत्तम वत्स
11. रमणजी झा
12. रामदास सदाय


2 Comments

  1. जनकपुरक यात्रा विना मिथिलाक ऐकीकरण अथवा जनजागरण प्रायः अधूरे रहत कारण जे जनकपुर प्राचीन मिथिला के राजधानी रहल अछि..

Leave a Reply to Mani Bushan Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *