स्व. कृष्ण कुमार कश्यपजीक स्मृतिमे आयोजित मिथिला लोक-चित्रकला प्रतियोगिता 2021 के परिणाम घोषणा संग पुरस्कार वितरण भव्य समारोहपूर्वक संग सम्पन्न भेल – मणिभूषण ‘राजू’

image

मैथिल मंच के संयोजन में आयोजित स्व. कृष्ण कुमार कश्यपजीक स्मृतिमे आयोजित मिथिला लोक-चित्रकला प्रतियोगिता 2021 के परिणाम घोषणा संग पुरस्कार वितरण भव्य समारोहपूर्वक संग सम्पन्न भेल।
प्रथम पुरस्कार वैद्य गणपति नाथ झा अपन माताश्री स्व. सुशीला झा के स्मृतिमे समर्पित कयलनि जे
मंगलोर, कर्णाटक के डॉ. छाया कुमारी के भेटलन्हि।
image
दोसर पुरस्कार दरभंगा के डॉ. इंदिरा झा आ कोलकाता सँ डॉ. अरुणा झा अपन माताजी स्व. सुशीला देवी के स्मृतिमे प्रदान कयलनि जे हरियाणा के श्रीमती मीरा देवी के भेटलन्हि।
image

मधेपुरा के मुक्ति झा अपन दादी सासु श्रीमती रोहिणी देवी के समर्पित कयलनि
तेसर पुरस्कार जे दरभंगा के अभिनव कुमार के हुनक भव्य पेंटिंग हेतु भेटलन्हि।
image

प्रथम 20 प्रत्याशी के प्रोत्साहन पुरस्कारस्वरुप सम्मानपूर्वक प्रोत्साहन पुरस्कार देल गेल।
नटराज डाँस अकेडमी के कलाकारगण द्वारा मनमोहक प्रस्तुतिसब देल गेल जे अद्भुत रहल।
एहि प्रतियोगिताक आयोजनमे देशभरि के बहुत रास संस्था आ वैयक्तिक सहयोग रहल जहिमे प्रमुख छल चित्राक्षर, जे कि कोलकाता सँ डॉ. अरुणा झा के मार्गदर्शन में मिथिला पेंटिंग आ मिथिलाक्षर के मिश्रित स्वरुप लय एकर संरक्षण आ संवर्धन हेतु काज करैत अछि।

image

एहिके संगहि प्रत्येक वर्षक भाँति 21टा युवालोकनि के विभिन्न क्षेत्र में योगदान हेतु “मिथिला कला सम्मान 2021” देल गेल।


6 Comments

  1. बहुत सुंदर आर भव्य समारोह हम डॉक्टर छाया कुमारी तहेदिल सय बहुत बहुत धन्यवाद व आभार प्रकट करय चि मैथिल मंच परिवार के प्रत्येक आदरणीय सदस्य,कार्यकर्ता एवं माननीय निर्णायक मंडल के प्रत्येक निर्णायक गण के बहुत बहुत आभार प्रथम पुरस्कार सय हमरा पुरस्कृत करेके लेल साथ ही सब प्रतिभागी और विजेता कलाकार कय बहुत बहुत बधाई और ढेर शुभकामना😊🙏🙏🙏🙏🌹🌹🌹🌹🌹🌹🌹🌹💐💐💐

  2. मैथिल मंच के सब आयोजक विशेष क मणि भूषण राजूजी के हृदय स आभार आ स्नेहाशीष मिथिला चित्रकला प्रतियोगिता के एतेक भव्य आ प्रशंसनीय आयोजन हेतु। अहि क्षेत्र मे अहिना काज करैत रही आ मिथिला मैथिली के गौरवान्वित करैत रही तकर शुभकामना। जय मिथिला जय मैथिली!!

  3. अत्यंत हर्ष एवं गौरवक विषय थिक जे मिथिला मंच द्वारा आयोजित मिथिला लोक चित्रकला मे एक सँ एक बढि क कलाकार सब भाग लेलन्हि आ अपन अनुपम कला के परिचय देलैन्ह ।श्रीमति अरुणा झा द्वारा नब चित्राक्षरक प्रयोग बहुत प्रशंसनीय अछि। अहि सँ जुड़ल सम्पूर्ण मिथिला वासी बधाई के पात्र छथि। जय मैथिली !जय मिथिला!

  4. अत्यंत प्रसन्नता एवं गौरव के बात सम्पूर्ण मिथिला वासी लेल।

Leave a Reply to डॉ अरुणा झा Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *