मिथिला पेंटिंग के प्रशिक्षण लय अहाँसब महिलालोकनि आत्मनिर्भर बनब आ मिथिला कलाक्षेत्रमे विश्वपटल पर एकटा विशेष स्थान सरहसा के सेहो आयत : लाजवंती झा

मिथिला पेंटिंग के प्रशिक्षण लय अहाँसब महिलालोकनि आत्मनिर्भर बनब आ मिथिला कलाक्षेत्रमे विश्वपटल पर एकटा विशेष स्थान सरहसा के सेहो आयत : लाजवंती झा

नाबार्ड के सहयोग सँ मंडन भारती जागृति समाज, बनगाँव सहरसाक संचालन में “सूक्ष्म उद्यमिता विकास कार्यक्रम” के अन्तर्गत पन्द्रह दिवसीय मिथिला पेंटिंग प्रशिक्षण शिविरक उद्घाटन कयल गेल।
वरिष्ठ नेत्री आ संचालिका श्रीमती लाजवंती झाक अध्यक्षता में आयोजित एहि कार्यक्रम में मुख्य अतिथि श्री पंकज कुमार ठाकुर छलथि आ विशिष्ट अतिथि के रूप में एसबीआई के एलडीएम श्री आर के पाँडे,श्री विनोद कुमार और नाबार्ड के डीडीएम श्री पंकज कुमार उपस्थित रहलथि।
उपस्थिति अतिथिलोकनि के मिथिला पेंटिंग सँ सुसज्जित पाग आ दोपटा सँ लाजवंती झा स्वागत कयलन्हि आ एहि प्रशिक्षण शिविरक उद्देश्य संग एहिके बाद महिलालोकनि के भेटयवला आत्मनिर्भरता आ रोजगारक संभावना सबपर पर विस्तृत चर्चा कयलथि।
मिथिला पेंटिंग के वृहत आयाम के चर्चा करैत मुख्य अतिथि श्री पंकज कुमार ठाकुर अपन सहरसा के मिथिला पेंटिंगक क्षेत्र में वैश्विक पटल पर अलग पहचान बनेबाक लेल उपस्थित महिलालोकनि के प्रेरित कयलनि।
श्री आर के पांडे एहि प्रशिक्षण शिविरक बाद भेटयवला सरकारी आ गैरसरकारी सहयता आ मदद के जानकारी देलन्हि। विनोद कुमार जी सेहो अपन शुभकामना संग अतिमहत्वपूर्ण विचार रखलथि। नाबार्ड के डीडीएम श्री पंकज कुमार जी मिथिला पेंटिंग आ एहिसँ बनयवला विभिन्न प्रकार के सामग्री सबके थोक निर्माण के संग कम कीमत पर उत्पादन के लेल विशेष ध्यानाकर्षण कयलथि जहिसँ देश के घर-घर में मिथिला पेंटिंग सँ जुड़ल वस्तु आसानी सँ पहुँच सकय।
एहि प्रशिक्षण शिविरमे प्रशिक्षणक कार्य मिथिला पेंटिंग के सिद्धस्त कलाकार चैनपुरके सुश्री अर्चना भारती आ दरभंगा सँ आयल मणिभूषण राजू के मार्गदर्शन में होयत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *