“कपिलदेव ठाकुर ‘स्नेहलता'” पर बनत मैथिलीमे डॉक्यूमेंट्री फ़िल्म।

Image

“कपिलदेव ठाकुर ‘स्नेहलता'” पर बनत मैथिलीमे डॉक्यूमेंट्री फ़िल्म।
‘शिम्मर फिल्म्स इंटरनेशनल’ केर प्रस्तुति आओर ‘युवा फ़िल्म निर्देशक सुमित सुमन’ द्वारा निर्देशित एहि डॉक्यूमेंट्री कए शोध शुरू भ’ गेल अछि। औपचारिक घोषणा जल्दिये हैत।अपने सभसँ सहयोग (शोध आओर आर्थिक) क’ अपेक्षा अछि। ‘स्नेहलता’ जीक पारिवारिक पृष्ठभूमि केर जनतब द’ रहल छथि आदरणीय श्रीकांत ठाकुर (स्नेहलता जीक पुत्र)। स्नेहलताक गाम डरोड़ी, समस्तीपुर जिलामे अछि।
‘स्नेहलता’ जीक किछ लोकप्रिय रचना निम्न अछि :-
1. मिथिलांचल केर अमर गोदमे अचल छै
ग्राम डरोड़ी, जहाँ सियाराम के जोड़ी ।। सरिपहुँ ग्राम विदेहनगर छै, जहाँ विदेह जनक केर घर छै, जनकदुलारी केर नैहर छै, जहाँ विदेह जनक केर घर छै ।”
2. “हे हम मिथिले मे रहबै ।
अपना किशोरीजी के टहल बजेबइ
घरहीमे हमरा चारू धाम
हे हम मिथिले मे रहबइ ।”
3. “श्री किशोरी जी के अंगना विलोकू बहिना ।
छवि शशि मुख राम छवि निधि जानकी, रचल विधना ।।”
4. “जेहने किशोरी मोड़ी, तेहने किशोर हे । विधना लगाओल जोड़ी…
5. “चलि देखू भरि नयना, नवल दुलहा ।अरिछि-परिछि लाउ, सजनी अंगनमा, नवल दुलहा…।”
6. “द्वार के छेकाई नेग पहिले चूकाबू, हे रघुवंशी लाला ।”
7. ” राम लखन सन सुन्दर वर के, जुनि पढ़ियौन केव गारी हे । केवल हास विनोदक पुछियौन, उचित कथा दुई चारी हे ।”
8. “बमभोला हमरा चाकर रखता कहबनि हे गौरी । नित उठि फूल अकोनब आनब बेलपात तोरी।”
9. “बाबा वैद्यनाथ हम आयल छी भिखरिया अहाँ के दुअरिया ना । अयलहुँ बड़ बड़ आस लगाय होइयौ हमरा पर सहाय ।”
10. “अहाँके भरोसे आब हमरो जीवनमा हे किशोरीजी हे” ।
11. “ताकु कने पलक उठाए हे किशोरीजी”।
12. “सकल जनम मोर स्वारथ मे बीतल हे किशोरीजी हे” ।
13. “आब लागए दुनिया अन्हार हे किशोरीजी हे” ।
आदि।

नोट :- ‘शिम्मर फिल्म्स इंटरनेशनल’ मिथिलाक विभूति, मिथिलाक धरोहर, प्रसिद्ध स्थल, ऐतिहासिक स्थल सभ पर डॉक्यूमेंट्री फ़िल्म बनाओत।
शिम्मर फिल्म्स इंटरनेशनलसँ जुड़बाक लेल बात करू :- 9135905618 / व्हाट्सएप करू :- 8692879721 . फेसबुक/गूगल पर ताकि सकैत छी ‘Shimmer Films International’.
धन्यवाद।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *