जन्मदिन विशेष : अभिषेक कुमार Voice Of Darbhanga

जन्मदिन विशेष : अभिषेक कुमार Voice Of Darbhanga

दरभंगा मे क्षेत्रीय पत्रकारिता के पहचान दियाबय में किछु विशेष नाम अगर लेल जायत त निस्संदेह Voice Of Darbhanga अभिषेक कुमार ओहिमें अवश्य रहता।

पारंपरिक मैथिल प्रथानुसार पढ़ाई खत्म भेलाक अनुसार दिल्ली जा कय नोकरी सँ अपन प्रोफेशनल जीवन प्रारंभ करयवला अभिषेक अपन मातृभूमिक प्रेम नहिं बिसरि सकलाह आ एकटा नीक स्तर के नोकरी के छोड़ि वापस दरभंगा आबि गेलाह।

ओ दिन स्मरण अछि जे हिनका नोकरी छोड़ि वापस आबय के कारण लोक पागल कहय छलन्हि आ आरो बहुत रास गप होईत छल।
अपन सामाजिक सहयोगक प्रवृत्ति आ गलत नहिं सहि सहबाक प्रवृत्ति हिनका पत्रकारिता में अपन कैरियर बनेबाक लेल प्रेरित केलकनि आ Voice Of Darbhanga के नाम सँ पत्रकारिता प्रारंभ कयलाह।

एकबेर हम पुछलियन्हि कि मात्र दरभंगेटा कियै पूरा मिथिला वा पूरा बिहार के लेल काज करू त कहलन्हि कि हमर क्षमता आ सीमा एतबे रखने छी, ईमानदारी सँ जँ एतबो काज कय ली त संतुष्टि भेटत।

Image

आई 5 साल बाद जँ देखय छी तँ सच में आई Voice Of Darbhanga दरभंगा आ आसपास के लोक के लेल कोनो समस्या में एकटा उम्मीद के किरण बनल अछि। सामाजिक प्रवृत्ति होबाक कारणे अभिषेक Out Of Syllabus जाकय सेहो लोक आ समाज के बहुत मदद करय छथि आ दरभंगा के बुनियादी मुद्दा उठाबय में कहियो नहिं हिचकिचेलथि।

कतेको बेर छोट पैघ समस्या के झेलैत अपना आन में फर्क कयने बगैर सतत अपन धुन पर काज करैत जा रहल छथि।
निजी मित्रताक संग अभिषेक मैथिल मंच के स्थापनाक प्रारंभिक चरण सँ जुड़ल लोक छथि जहिसँ हमर सबके जान-पहचान बनल छल।
दरभंगा के हरेक समस्या पर बेबाक रुप सँ लिखयवला पत्रकार संगहि ओकर समाधान होबयतक संबंधित लोक के पाछा पड़य लेल प्रसिद्ध छथि अभिषेक…..रेलवे गुमती, सड़क-नाला, राज-कैम्पस आदि अनेको मामला एकर उदाहरण अछि।

Image

एखन सबसँ बेसी प्रभावित कयल एहि चाईनीज़ वायरस – कोरोना में हिनक पत्रकारिता।
साँसद, विधायक, प्रशासन सँ लय क एकटा आम जन के समस्या के सार्वजनिक पटल पर राखि ओकर समाधान लेल अपन जीवन पर रिस्क लय क जे काज कय रहल छथि ओहिलेल हिनका दरभंगा के Corona Worrier कही त कोनो अतिशयोक्ति नहिं होयत। चाहे किनको राशन मदद कराबय के रहय वा प्रशासन के सूचना जन-जन तक पहुँचाबय के रहय या फेर अपन मित्र-परिवार-संबंधी लोकनि सहयोगक आवश्यकता रहय – सब जगह एकरूप सँ सेवारत छथि अभिषेक।
कालि ई सुनि आपार हर्ष भेल जे जिलाधिकारी दरभंगाक सोशल मीडिया सेहो Voice Of Darbhanga के समाचार पर विश्वास कय साझा करय छथि। मिथिला में बदलाव आनयलेल एहने पागलपन के आवश्यकता अछि।

Image
Image

Image

आई मित्र अभिषेक कुमार के जन्मदिवस छन्हि।
समस्त मैथिल मंच परिवार के तरफसँ हिनका जन्मदिन के अशेष शुभकामना आ बधाई।
माँ भगवती सतत अहाँके अपन क्षेत्र में दिन-प्रतिदिन नव ऊँचाई प्रदान करथि।


2 Comments

Leave a Reply to आशीष महापात्र Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *