Corona Worriers Of Mithila :: CA हर्ष मिश्रा

Image

Corona Worriers Of Mithila के अगिला चरण में मैथिल मंच अहाँ सबके परिचय कराबय जा रहल अछि मिथिला के सपूत सम्प्रति दिल्ली रहनिहार मधुबनी निवासी हर्ष मिश्रा सँ। हर्ष मिश्रा पेशा सँ चार्टर्ड एकाउंटैंट (CA) छथि आ एहि लाकडाउन सन आपातकाल में प्रथम सप्ताह सँ अपन कर्मभूमि दिल्ली आ जन्मभूमि मिथिला दूनू जगह एकसमान रूप सँ राहत काज चला रहल छथि। अपन निजी प्रतिष्ठान आ अन्य सामाजिक संस्था के संग वृहत स्तर पर रोजाना भोर-साँझ दूनू समय 500 लोकक भोजन के व्यवस्था कय रहल छथि।

“नर सेवा, नारायण सेवा” के आधार लयअपन कार्यक्षेत्र, कर्मभूमि आ मातृभूमि के लेल काज करबाक क्षमता माँ मैथिली बहुत कम लोक के दैत छथिन्ह आ ओहू में विरले होईत छथि जे अपन ई जिम्मेदारी बुझि एकरा पूरा करय छथि।

समस्त मैथिल मंच के तरफ सँ CA हर्ष मिश्रा आ हिनक समस्त टीम के वन्दन आ अभिनन्दन।

एहन विकराल समय में अगर कियो वास्तविक रूपे सहयोग आ समाजसेवा के इच्छा राखय छथि त वर्तमान सिस्टम के संगे बेसी सँ बेसी सहयोग आ सुविधा जरूरतमंद लग पहुँचा सकय छी। सिस्टम पर दोष लगेनाई आ सिस्टम सँ लड़ि ओकरा बदलय लेल ई समय नहिं अछि तैं आग्रह जे एखन जे सिस्टम चलि रहल अछि ओहिमें जुड़ि जिलाधिकारी सँ लय क पंचायत स्तर पर जतय जतेक संभव हुए त संग दी आ सुरक्षित अपन घर पर रही।
“एहि चाइनीज वायरस सँ लड़त इंडिया आ जीतत इंडिया”

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *