Corona Warriors Of Mithila :: बालेन्दु झा

Image

Corona Warriors Of Mithila :: बालेन्दु झा

कोरोना वरियर्स ऑफ मिथिला के आगाक कड़ी में आई मैथिल मंच अहाँ सबसँ परिचय करा रहल छथि पछिला 15 दिन सँ सतत गरीब आ जरूरतमंद लोक लेल साक्षात बालाजी के रूप में दिन-राति लाकडाउन के सब नियम के पालन करैत राहत सामग्री पहुँचा रहल छथि सबके सहयोगी आ दरभंगा जिला भाजपा के युवा नेता बालेन्दु झा।

कोरोना के भीषणता सँ लोक के अवगत करेबा सँ लय क जरूरतमंद लोक के ताकि, हुनका सबलेल राहत सामग्रीक व्यवस्था सँ लय कय राहत पहुँचाबय तक के हर प्रकरण में उपलब्ध बालेन्दु झा अपन समस्त टीम के संग अपन क्षमता आ लगनशीलता के नीक उदाहरण पेश कय रहल छथि। अपन गृह मोहल्ला शुभंकरपुर के सैकड़ों मजदूर, रिक्शावला, ठेलावला, आ आन दैनिक कारीगर सबके समस्या के देखैत अपन ग्रामीण सबसँ आपसी सहयोग लय क जरूरतमंद सबलग पहुँच रहल छथि – उद्देश्य मात्र एक कि कियो भूखल नै रहय। राहत वितरण के एहि काज में अमिताभ सिन्हा, कमलेश राय, कृष्ण मोहन राऊत, जय भारद्वाज, रौशन झा, शिवकुमार साह, आलोक साह, प्रत्यूष कुमार , राजा साह, अजय राय, रूपम, आ बमबम आदि अनेकों युवा सहयोग द रहल छथिन्ह।

Image
समस्त मैथिल मंच के तरफ सँ बालेन्दु झा ‘बालाजी’ आ हिनक समस्त टीम के एहि पुनीत काज लेल अभिनन्दन आ वंदन।

एहन विकराल समय में अगर कियो वास्तविक रूपे सहयोग आ समाजसेवा के इच्छा राखय छथि त वर्तमान सिस्टम के संगे बेसी सँ बेसी सहयोग आ सुविधा जरूरतमंद लग पहुँचा सकय छी। सिस्टम पर दोष लगेनाई आ सिस्टम सँ लड़ि ओकरा बदलय लेल ई समय नहिं अछि तैं आग्रह जे एखन जे सिस्टम चलि रहल अछि ओहिमें जुड़ि जिलाधिकारी सँ लय क पंचायत स्तर पर जतय जतेक संभव हुए त संग दी आ सुरक्षित अपन घर पर रही।

“एहि चाइनीज वायरस सँ लड़त इंडिया आ जीतत इंडिया”

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *