Corona Warriors Of Mithila ::अनुकृति कुमारी

Image

Corona Warriors Of Mithila ::अनुकृति कुमारी

 

कोरोना वारियर्स आफ मिथिला के सिरीज में आई मैथिल मंच अहाँ के परिचय कराबय चाहय छी शाहकुंड, भागलपुर सँ अनुकृति कुमारी सँ जे एहन आपातकाल के समय में आगा बढ़ि अपन आसपास के गरीब जरूरतमंद लोक के सहयोग कय रहल छथि।

Image

पिता श्री विनयानन्द मिश्रा आ माता पुष्पा मिश्रा के बेटी अनुकृति मंजूषा कला के राज्य सरकारसँ पुरस्कृत कलाकार छथि आ अनुकृति आर्ट के नाम सँ अपन कला-केन्द्र चलाबय छथि।

Image

अनुकृति जी के तरफ सँ एहि लाकडाउन में सतत गरीब, नि:सहाय, जरूरतमंद लोक के मदद कयल जा रहल अछि।

Image

समस्त मैथिल मंच परिवार के तरफ सँ अनुकृति कुमारी आ हिनक समस्त टीम के अभिनन्दन आ वंदन।

 

एहन विकराल समय में अगर कियो वास्तविक रूपे सहयोग आ समाजसेवा के इच्छा राखय छथि त वर्तमान सिस्टम के संगे बेसी सँ बेसी सहयोग आ सुविधा जरूरतमंद लग पहुँचा सकय छी। सिस्टम पर दोष लगेनाई आ सिस्टम सँ लड़ि ओकरा बदलय लेल ई समय नहिं अछि तैं आग्रह जे एखन जे सिस्टम चलि रहल अछि ओहिमें जुड़ि जिलाधिकारी सँ लय क पंचायत स्तर पर जतय जतेक संभव हुए त संग दी आ सुरक्षित अपन घर पर रही।

“एहि चाइनीज वायरस सँ लड़त इंडिया आ जीतत इंडिया”

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *