मिथिला के बेटी देशक उभरैत कलाकार नृत्यांगना कीतिका झा

।। गुरुर ब्रह्मा गुरुर विष्णु गुरुर देवो महेश्वरः।।
।। गुरुः साक्षात्परब्रह्मा तस्मै श्री गुरुवे नमः ।।

कीतिका झा बिहार के मधुबनी जिलाक पचही गाम सँ छथि। कीतिका झा के जन्म 4 जुलाई 2005 के पश्चिम बंगाल के आईआईटी खड़गपुर में भेलन्हि आ एखन ई केन्द्रीय विद्यालय आईआईटी खड़गपुर कै छात्रा छथि, कीतिका 6 वर्षक आयु में कुचीपुड़ी नृत्य सिखनाई शुरू कयलथि, नृत्य हिनक शौक अछि आ डांसर बनय चाहय छथि , महज 7 सालक उम्र में अपन कुचिपुड़ी नृत्य कौशल देखाबय लेल मंच पर कदम रखलथि जतय हिनका प्रथम स्थान हासिल भेलन्हि आ अन्य कनिष्ठ कलाकार लोकनि लेल प्रेरणादायक बनि मशाल वाहक रूप में पहचान बनलनि । कीतिका मानय छथि कि सफलता आसानी सँ प्राप्त नहिं कयल जा सकैत अछि; यदि अहाँ स्वामीजी के मंत्र के अनुसरण करय छी “ARISE AND AWAKE” तहन हाँ अपन जीवन में सफल होयब।
कीतिका कें राधा माधव रसरंजनी में अखिल भारतीय नृत्य संगीत आ नृत्य प्रतियोगिता 2017 में शीर्ष 5 जूनियर्स में चयन कयल गेलन्हि। कुचिपुड़ी नृत्य के अलावा हिनका भरतनाट्यम आ लोक नृत्य में सेहो दिलचस्पी छन्हि। शास्त्रीय नृत्य सबकें बढ़ावा देबाक दिशा में हिनक योगदान के लेल, हिनका अनेकों संगठन द्वारा सम्मानित कयल गेल अछि । कीतिका सेंटर फॉर कल्चरल रिसोर्स एंड ट्रेनिंग, संस्कृति मंत्रालय, भारत सरकार सँ जूनियर स्कॉलरशिप अवार्ड 2019 के लेल सेहो चयनित भेल छथि।

हिनक कला और संस्कृति के क्षेत्र में हासिल कयल गेल उपाधि के सूची नीचा अछि जे स्वत: अपनेआप में एकटा कीर्तिमान अछि :
1. नाट्य मयूरी अवार्ड 2018, आंध्र प्रदेश
2. कला संस्कार समिति 2018, भिलाई
3. अंतर्राष्ट्रीय सांस्कृतिक महामहिम पुरस्कार 2018, भिलाई
4. नृत्य शीला सम्मान 2018, कोलकाता
5. नृत्य पद्मजा पुरस्कार, भुवनेश्वर 2018.
6. बीना संकल्प पुरस्कार 2018, कोलकाता
7. नृत्य ज्योति सम्मान 2018, कोलकाता।
8. काला निश्चय सम्मान 2019, भुवनेश्वर।
9. बाला प्रतिभा सम्मान 2019, नागपुर ।
10. नृत्य चुरमनी सम्मान 2019 कोलकाता I
11. देवांशी कला विदुषी सम्मान 2019, भुवनेश्वर
12. नृत्य कलावाणी सम्मान 2019, कोलकाता I
13. भारतीय कलाश्री कमला सम्मान 2019, कोलकाता I
14. इंडिस का राइजिंग स्टार अवार्ड 2019, नई दिल्ली।
15 स्वामी विवेकानंद उत्कृष्टता पुरस्कार 2019, कोलकाता I
Facebook page: Keetikaa Jha @keetikamaithili

अहाँ सबसँ निवेदन अछि कि ऊपर देल गेल लिंक के क्लिक कयक हिनक युट्यूब चैनल के सब्सक्राइब जरूर करी आ शेयर कय अपन आशीर्वाद दी ।

हिनक किछु महत्वपूर्ण छायाचित्र अहाँसबलोकनि हेतु प्रस्तुत अछि :


4 Comments

  1. बहुत-बहुत बधाई । एतेक कम उम्र में कुचिपुड़ी नृत्य के सूक्ष्मता आत्मसात केन्याई, ओकरअभिब्यक्ति, अभिनय, मुद्रा, अद्भुत छन्हि चि० कीतिका में ।ई बचिया के अथक लग्न, परिश्रम एवं समप्रण त छन्हिए, परन्तु हिनक माता-पिता के योगदान मार्गदर्शन सेहोप्रसंसनीय । अनेकों आशीर्वाद एवं शुभकामना ।

  2. Very very nice and professional dance by Ms Keetika. God bless you.
    विद्यापतिक किछु गीत (भक्ति आ शृंगार रस, जे राग पर आधारित थिकैक) पर सुन्दर भाव नृत्य संभव छैक | ओहनों अभ्यास कs लियs तs नीकक संग Unique भs जायत | – B M Choudhary (88952 16021 – WhApp & Call)

Leave a Reply to Vishwanath Mishra Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *