ईमानदारी सँ जन-भावना संग जन-जन सँ संवाद अछि सामाजिक संस्था सबहक प्रथम दायित्व :: डॉ. निशांक शेखर ठाकुर

आई ILA Foundation, Noida द्वारा COVID-19 Roles Of NGO’s पर वेविनार राखल गेल छल जहिमें कोरोना महामारी के एहि विकराल समय में कोनो सामाजिक संस्था अर्थात NGO सबके की जिम्मेदारी होबाक चाही एहि समय में, एहिपर विस्तृत चर्चा कयल गेल।
वेविनार के अध्यक्षता करैत डॉ. निशांक शेखर ठाकुर एहि महामारी सँ बचाव के लेल सुरक्षात्मक उपाय के चर्चा कयलथि आ अपन अनुभव शेयर कयलथि अपन क्लिनिक सँ हास्पिटल तक के।
नीरज दीक्षित जी अपन सामाजिक दायित्व के बोध करबैत लोक के स्वत: आगा बढ़ि अपन जिम्मेदारी हेतु प्रयास कयलनि आ संचालन कयलन्हि।
अपन देश के NGO के इतिहास बतबैत प्रकाश मिश्रा जी कहला कि देश में एखनतक 33 लाख एनजीओ रजिस्ट्रेशन अछि, एहि हिसाबे जँ देखल जाय त हर गाम में कम सँ कम पाँच टा पड़त।
नीक-बेजाए, गुण-अवगुण, आमद-खर्च सबपर तथ्यात्मक जानकारी संग जानकारी देलनि आ कोनो एनजीओ के लेल चारि टा मूल तत्व बतेलन्हि सेवा, संवाद, सक्षम आ संरक्षण।
हर बातक जानकारी संग सेवा भावना आ सतत संवाद पर जोर दैत प्रकाश जी कहलन्हि कि एखन कोरोना के लेल सबसँ पैघ हथियार होयत सेवा भावना सँ कयल गेल संवाद जहिसँ लोक के जागरण हेतन्हि अपन सुरक्षा कोना कय सकथि एहि महामारी में। संवादक माध्यम लेल नारीशक्ति के आवाहन करैत प्रकाश जी एहि काज में बेसी सँ बेसी महिला लोकनि के भागीदारी सुनिश्चित करबापर जोर देलन्हि।
जे मजदूर, कामगार लोक अपन घर वापस आबि गेल छथि हुनका सबसँ संवाद करैत सब एनजीओ के हुनका सबके मानसिक रूप सँ मजबूत बनाकय मनोबल बढ़ाओल जाए ताकि ओ सब वापस अपन काज पर लौट सकथि। ई बहुत आवश्यक अछि आर्थिक व्यवस्था आ देशक अर्थव्यवस्था लेल आवश्यक अछि।

Image

वेविनार में अपन बात रखैत अभिलाषा राजन जी महिला लोकनि के भागीदारी के आवश्यकता आ एकरा सुनिश्चित करबा लेल चर्चा कयलनि।
अपन अनुभव साझा करैत एडवोकेट ज्योति झा उदाहरण संग एनजीओ के काजक चर्चा आ प्रभावक संक्षिप्त चर्चा कयलनि।
वेविनार में एनजीओ के प्रति विश्वसनीयता लेल अजय गुप्ता जी अपन अनुभव संग तीन बातक ध्यानाकर्षण हेतु चर्चा कयलन्हि जे हमर सबके काज अछि सत्यापन, स्वयं सेवा आ प्रोत्साहन। एहि तीन चीज सँ कोनो एनजीओ वा सामाजिक संस्था के काज भय सकैत अछि। जँ समस्या आओल ओकर सत्यापन के पश्चात अगर स्वयंसेवा सँ आगा बढ़ल जाए त प्रोत्साहन भेटब आवश्यक अछि।
अजय जी सेवा भाव सँ काज कयरवला संस्था के प्रोत्साहन लेल कहलाह।
डॉ. भावना नवीन जी अपन विचार प्रकट कयलीह आ नारी सशक्तिकरण लेल जीवन के हर क्षेत्र में भागीदारी सुनिश्चित करय लेल विचार देलीह।
अंत में डॉ. निशांक शेखर इला फाउंडेशन में महिला लोकनि लेल अलग सँ विंग बनाकय काज नारी सशक्तिकरण हेतु करबा लेल अपन प्रतिबद्धता दुहरौलनि।
वेविनार में उपस्थित लोक छलथि शेफालिका वर्मा, सी. प्रकाश, देवेंद्र शर्मा, प्रदीप मिश्रा, राजीव वर्मा, शिवानी शर्मा, शोभा झा, शीतांशु मिश्रा, सुपर्णा वर्मा, सुप्रीता ठाकुर, तुलिका झा आ मैथिल मंच सँ मणिभूषण राजू उपस्थित छलथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *