Corona Warriors Of Mithila : Amarjeet Yadav

Image

Corona Warriors Of Mithila : Amarjeet Yadav

Corona Warriors Of Mithila सिरीज़ में मैथिल मंच अहाँक परिचय कराबय चाहैत अछि मिथिला के ऐहन युवा सबसँ जे संसाधन के अनुपलब्धता, आधारहीन सिस्टम के बावजूद “चाईनीज़ वायरस-कोरोना” सँ खतरा के अनुभव करैत अपन गाम अपन क्षेत्र में सबटा सरकारी आदेशक पालन करैत उपलब्ध साधन संग एहि लड़ाई के जीतय में अपन योगदान देलथि…….. एकटा प्रमुख नाम अछि अलीनगर, दरभंगा के युवा आ युवा संस्कार मिथिला फाऊंडेशन के राष्ट्रीय संयोजक अमरजीत यादव जे सम्प्रति दिल्ली में रहय छथि आ दिल्ली आ आसपास के फंसल मैथिलजन के सतत सहयोग कय रहल छथि एहन विपदाक घड़ी में।

Image

विपरीत परिस्थिति आ संसाधन के अभाव के संग जहि तरहे ई अपन लोक के दिल्ली में ताकि हुनक समस्याक समाधान लेल सतत तत्पर छथि, एहि कोरोना के हराबय के लड़ाई में सेहो हिनक योगदान अभूतपूर्व, प्रशंसनीय आ अनुकरणीय अछि।

 

 

Image

दिल्ली में अपन आसपास के गरीब वंचित लोक जिनका तक सरकारी राहत आ सहयोग पहुँचय में देरी होईत छल हुनका सबके ताकि ताकि कय लगातार अमरजीत जी यथासंभव अपन क्षमतानुसार भोजन नाश्ता के प्रबंध कयल आ एक-दू बेर लाकडाउन के उल्लंघन के फेरा में सेहो पड़लाह।

 

“मैथिल मंच” अघोषित आपदाक एहि समय में लोकक सहयोग लेल हिनक अभिनन्दन करैत अछि।

 

एहन विकराल समय में अगर कियो वास्तविक रूपे सहयोग आ समाजसेवा के इच्छा राखय छथि त वर्तमान सिस्टम के संगे बेसी सँ बेसी सहयोग आ सुविधा जरूरतमंद लग पहुँचा सकय छी। सिस्टम पर दोष लगेनाई आ सिस्टम सँ लड़ि ओकरा बदलय लेल ई समय नहिं अछि तैं आग्रह जे एखन जे सिस्टम चलि रहल अछि ओहिमें जुड़ि जिलाधिकारी सँ लय क पंचायत स्तर पर जतय जतेक संभव हुए त संग दी आ सुरक्षित अपन घर पर रही।

“एहि चाइनीज वायरस सँ लड़त इंडिया आ जीतत इंडिया”


2 Comments

  1. Bhut sarahniy kadam aahan sab lokain ke
    Muda hamhu sab kich aadmi dellhi ke mhipalpur mei fasal chi dikkat sikkat kam chala rhal chi parantu kich help je hamro sab ke mil jait t hamu sab mithila seva ke bhut abhar parkat karb

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *