स्व. डॉ. शालीग्राम मिश्र : पुण्यतिथि विशेष

Dr. Shaligram Mishra

स्व. डॉ. शालीग्राम मिश्र : पुण्यतिथि विशेष

मिथिला के गाम-गाम एतिहासिक रहल अछि आ हर गाम में एक सँ एक महानपुरुष भेल छथि जे अपन मात्र अपन गामे टा नहिं अपन जिला, अपन राज्य आ अपन देश तक के किछु ने किछु दय गेल छैथ।
Dr. Shaligram Mishra
एहिना छलथा स्व. डा. शालीग्राम मिश्र जे एकटा सफल चिकित्सक, समर्थ अभिभावक, प्रखर समाजसेवी, नारी-शिक्षा के मानक अग्रणी आ पूसा, समस्तीपुर के निर्माण के प्रमुख अग्रणी जनक के आई एकतालिशम अर्थात 41वीं पुण्यतिथि छन्हि।
28 नवंबर 1907 के हिनक जन्म चकमैसी थाना के मदनपुर गाम में भेल छल। हिनक पिताजी बाबू भरत मिश्र स्वतंत्रता सेनानी छलाह। डा. मिश्र पूसा हाई स्कूल सँ मैट्रिक पास कयलाह आ तदुपरांत दरभंगा मेडिकल कालेज से डाक्टरी की पढ़ाई कयला आ डाक्टर बनलाक बाद पहिल पोस्टिंग रेफरल हास्पीटल, पूर्णियां में भेलन्हि। बकास के आंदोलन में सक्रिय रूप से शामिल भेलाक संग ओ नोकरी त्याग क पूसा आबि गेलाह। पूसा में आई हुनक नाम पर समर्पित एक पथ अछि जे डॉ. शालीग्राम मिश्र पथ के नाम सँ जानल जाईत अछि।
पूसा के पहिल पूसा बालिका विद्यालय खोललथि जिनक पहिल प्रधानाचार्य भेलथि कामना मिश्रा, डा. मिश्र द्वारा खोलल गेल। पूसा सँ गाँव के रस्ता में एकटा स्कूल नहि छल तँ एकटा हाई स्कूल मालीनगर हाई स्कूल खोललथि आ हरिभजन बाबू के प्रधानाचार्य बनाओल।
समस्तीपुर कालेज, समस्तीपुर के प्रथम सचिव के रूप में सेवा देलाह।

12 अप्रैल 1979 के डाक्टर साहेब पंचतत्व में विलीन भेलाह। तिथि के हिसाबे आई हिनक एकतालिशम पुण्यतिथि छन्हि।

Image

हिनक पुत्र स्व. डा. आर.पी. मिश्रा कल्याणपुर के नजदीक डा. शालीग्राम मिश्र महाविद्यालय खोललथि जे एहि क्षेत्रक बालिकाक लोकनि लेल वरदान भेलन्हि।
आई समस्तीपुरक या ई कही मिथिलाक एहन गौरव आ सपूतक पुण्यतिथि के अवसर पर समस्त मैथिल मंच परिवार के तरफ सँ श्रद्धांजलि अर्पित करैत आजुक युवा पीढ़ी के अपन एतिहासिक विरासत सबके जानकारी देबाक लेल हिनक जीवनीक अंश अर्पित।

स्व. डा. शालीग्राम मिश्र क पौत्र डा. राकेश मिश्र जीक संग भेल टेलीफोनिक वार्ताक अंश…….विस्तृत जीवनी आगा…।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *