जनता कर्फ्यू : कुकर सब नहिं मानलक मोदीक बात!

जनता कर्फ्यू : कुकर सब नहिं मानलक मोदीक बात!
सोशल मीडिया पर सेहो किछु चमनजी  भुकैत रहलाह!!

दरभंगा । 22 मार्च 2020
दिन बीति गेल आ “जनता कर्फ्यू” सफल भेल। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीजी के जे अपील छलन्हि ओ जनता अक्षरशः पालन कयलथि। देश के सब मुख्य सड़क सब खाली रहल आ बाजार बंद रहल। देश के समस्त रेलवेस्टेशन, मेट्रो आदि पूरा तरहसँ खाली रहल।


दरभंगा आ आसपास मिथिला क्षेत्रक बात करी त सब थाना क्षेत्र में पुलिस के गाड़ी नजर आयल।

पुलिस आ प्रशासनिक मुस्तैदी काबिलेतारीफ रहल। “कोरोना हारत, भारत जीतत” एहि नारा के बुलंद करैत अपन संयम, सजगता आ जागरूकता सँ एहि महामारी के विरुद्ध लड़ाई के सफल बनेबाक प्रण लेलन्हि।

आ संगहि एहि महामारी के रोकय लेल देशभरि में सजग डाक्टर, मेडिकल स्टाफ संगहि समस्त लोकनि के धन्यवाद लेल एतिहासिक रूप सँ थपड़ी, शंख, घंटी आदि बजाकय सम्मान देल गेल।

ऊपर लिखल जे मात्र किछु कुकुर देखाई देलक जे जनता कर्फ्यू के विरोध कय रहल छलथि।

हिनका सबके उचित लताड़ भेटल आ आगा सतत भेटैत रहत ई आवश्यक अछि।

ओना साँझ होईत जनता हिनका सबके मुँह पर जोरदार तमाचा मारैत ई साबित कयलन्हि कि देश एक अछि आ देश जहि स्थिति में अछि ओहि स्थिति में एहि महामारी सँ लड़बाक आ जितबाक लेल प्रतिबद्ध अछि। एहिके बाद सँ चमनजी सब नुकायल छथि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *