देशक लाकडाउन माँगय गाम-गाम में NRC

Lockdown

देशक लाकडाउन माँगय गाँव-गाँव में NRC

दरभंगा । मणिभूषण राजू
एहि सालक ई ‘चीनी वायरस-कोरोना’ देश के एहन कहियो ने भेल आपातकाल माने इमरजेंसी लाकडाउन में आनि देलक।
हालाते किछु एहन बनल अछि कि सम्पूर्ण देश एकमत सँ एहि आपातकाल के समर्थन में अछि आ केन्द्र आ राज्य सरकारक मुस्तैदी आ कार्यक्षमता पर भरोसा रखने अछि।


एहि सबके बावजूद किछु विकराल समस्या देखाओल जहिमें सबसँ पैघ प्रवासी दिहाड़ी मजदूर सबहक हालत बद सँ बदतर भय रहल अछि आ मीडिया के अनुसार करोड़ों मजदूर वापस अपन गाम आबि रहल चथि दिल्ली-बंबई सँ पैदल चलिकय।

Lockdown
ई एकटा एहन मुद्दा बनि रहल अछि एहि आपातकाल में जे जनताकें मार्मिक कय रहल अछि आ किछु मौकापरस्त भोगीवादी एकरा सरकार आ प्रशासन के विरुद्ध आवाज बनेबा में लागल छथि।

lock8
पछिला तीन दिनक इलेक्ट्रॉनिक मीडिया, प्रिंट मीडिया आ सोशल मीडिया के अलग-अलग रिपोर्ट आ अपन सामाजिक आ राजनीतिक अनुभव के आधार पर कहब कि ई एकटा प्रोपेगैंडा मात्र अछि सरकार के कमजोर आ व्यवस्था के खराब करबाक पैघ कुचाइल अछि। मीडिया में देखाओल जा रहल पीड़ित यात्री में 70-80% समुदाय विशेष के लोक लागि रहल छथि बोलचाल आ भाव-भंगिमा सँ, एखन तक मीडिया 1% लोकक नाम पता पुछनाई आवश्यक नहिं बुझलक आ सार्वजनिक नहिँ कय सकल। लोकल पुलिस के अनुसार किनको लग आधार कार्ड, वोटर कार्ड आदि नहि भेटल, पुछला पर बेरोजगारी आ भूखल होबाक बात कहल गेल। बाकी के लोक में किछु मजदूर एहन छथि जे अपन ठेकेदार द्वारा सताओल गेल छथि, चूंकि हुनक घर आ खाना दूनू ठेकेदार द्वारा रहैत अछि तैं ठेकेदार द्वारा भगेला पर हुनका सबलग कोनो आन दोसर उपाय नहिं बचलनि वापस गाम दिस चललाक अलावा। अहू स्थिति में मीडिया ककरो ठेकेदार या कम्पनी के बारे में नै पुछलक आ कोनो ठेकेदार वा कंपनी सँ मजदूर के एना भगेनाई पर सवाल नहिं पुछलक। ई सब मीडियाक भूमिका पर संदेह उत्पन्न करैत अछि। दिहाड़ी मजदूरक तेसर श्रेणी अछि 12 सँ 18 वर्षक नाबालिग दिहाड़ी मजदूर सब छथि जे कोनो ठेकेदार लग वा कोनो कंपनी में कागज पर कतौ रजिस्टर नै छथि आ ने एहन लोक के कोनो बैंक एकाउंट होइत अछि आ ने ओ सब सरकार के कोनो जानकारी में रहय छथि। एहन आपातकाल स्थिति में निश्चय एहन लोक के भूखे मरबाक स्थिति उत्पन्न होयत। एकर एकमात्र रस्ता बचय अछि वापस गाम पहुँचनाई जेना भय सकय। जवानीक जोश आ आर्थिक मजबूरी में ओहन लोक पैदल गामक रस्ता धेलनि जानकारीक अभाव में।

lock9
एहि तरहक मजदूरक सबसँ पैघ समस्या रहैत अछि कि ओ सब अपन चौबीसों घंटे मजदूरी के कारण ने शहर में समाज सँ जुड़ल रहय छथि आ ने गामक समाज सँ जुड़ल रहि पाबय छथि। एहन श्रेणी के मजदूर सबलग ने आधार कार्ड रहैत अछि आ ने वोटर कार्ड होईत अछि, आ जँ रहैत अछि त ओ दिल्ली वा बंबई के पता पर रहैत अछि अर्थात नकली।

Lock
आब सवाल उठैत अछि जे एहन समस्या में सरकार के की करबाक चाही आ कोनो भी सामाजिक वा राजनीतिक संस्था की कय सकैत अछि? एहन स्थिति में कियो प्रायोजित रूप सँ किछु नहिं कय सकैत अछि आ किछु कयल सेहो नहि जा सकैत अछि प्रायोगिक रूप सँ, एकमात्र उपाय अछि जे जिनका जतय देखल जा रहल अछि हुनक पहचान सुनिश्चित कय ओतय व्यवस्था करबाक चाही।
एहि स्थिति सँ सीख लैत आगाक लेल ई सबसँ बेसी आवश्यक अछि जे गाँव-गाँव स्तर पर बाहर काज करयवला लोकक जानकारी संकलित होबाक चाही कियैकि एहन आपात स्थिति में अपन गाम छोड़ि किछु नहिं याद अबैत अछि लोक के। हर गाँव के वार्ड मेंबर सँ मुखिया तक के ई जिम्मेदारी तय होबाक चाही कि पूरा जानकारी संकलित कय राखथि आ एहन आपातकाल स्थिति में सरकार के सूचित करथि आ समस्याग्रस्त लोक के चुनि हुनक सहयोग कराओल जा सकय।

Lockdown
अपन मिथिला में एहि ‘चाइनीज वायरस-कोरोना’ के आपातकाल में किछु गाम में युवाजन मिलिकय बेहतरीन व्यवस्था कय गामस्तर पर एहि महामारी सँ लड़बालेल जिम्मेदारी लेलथि आ अपने, अपन परिवार, अपन टोल सँ लय अपन गाम आ क्षेत्रक लोक के सुरक्षा के व्यवस्था कयलन्हि। किछु गामक चर्चा करय चाहब एहि क्रम में…….

1. कटैया,बेनीपट्टी(मधुबनी):

मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी प्रखंड के कटैया गाम में प्रथम दिन सँ बैरियर लगाकय बाहरी लोकक आगमन पर प्रतिबंध लगाओल गेल अछि गामक लोक द्वारा। गामक लोक जे बाहर सँ आबय छथि हुनका लेल अलग आइसोलेशन व्यवस्था कयल गेल अछि आ ध्यान राखल जा रहल अछि प्रशासन के सहयोग सँ।


2. बरहा, बेनीपट्टी(मधुबनी)

3.चैनपुर, सहरसा :

चैनपुर सहरसा में युवा समाजसेवी अगम झा के नेतृत्व में हुनक टीम गामक प्रतिनिधि सबगोटे संग गामस्तर पर एहि ‘चायनीज वायरस-कोरोना’ के खिलाफ मजबूती सँ ठ़ाढ़ छथि।

Chainpur
4. पुरुषोत्तम वत्स, सहसराम, दरभंगा :

दरभंगा के सहसराम, बिरौल के युवा समाजसेवी पुरुषोत्तम वत्स अपन समस्त टीम संग अपन गाम आ आसपास के क्षेत्र के लोक के सुरक्षा लेल कोरोना सँ बचाव लेल सतत प्रयासरत छथि आ संगहि अपन गामक आ आसपास के प्रवासी मैथिल मजदूर जे सब बाहर फँसल छथि हुनका सबके ताकि क हुनक समस्या सबहक समाधान सुनिश्चित कय रहल छथि।

5. सिंघाया ड्योढ़ी बिस्फी मधुबनी :

Image

मधुबनी जिला के बिस्फी प्रखंड अंतर्गत सिंगिया पश्चिमी पंचायत के सिंगिया ड्योढ़ी गाँव में वार्ड मेम्बर श्री बैद्यनाथ झाक संग भगवाधारी विकास के नेतृत्व में गाँवक 3 मुख्य मार्ग बंद कयल गेल जहिमें गामक लोक पूर्ण समर्थन देलाह ।

Image

6. सरिसवपाही,पंडौल

Image

पंडौल प्रखंड के सरिसवपाही गाम में अयाची नगर युवा संगठन कोरोना सँ बचाव लेल जागरूकता रथ सँ प्रचार संगहि बाहर सँ आबयवला लेल जाँच के नियम पर सेहो अमल कय रहय छथि।

Image

मास्क वितरण, जागरूकता पर्ची वितरण संगहि विकट परिस्थिति में समाधान के तैयारी कय रहल छथि।सब आयोजन मुखिया रामबहादुर चौधरी के देखरेख आ विक्की मंडल के नेतृत्व में कयल जा रहल अछि।

Image

शिक्षक राम शरण मंडल, भवेश झा, विजय मंडल, आदित्य कुमार, संजीव चौधरी, अजीत मंडल, सोनू राय, विकाश साह राजकुमार संग गाँव आ आसपास के अनेको लोक सहयोग कय रहल छथिन्ह।

आदि अनेको गाम में गामवासी एहि आपातकाल में सुनियोजित रूप सँ तैयार भय अपन गाम आ सरकार के मदद कय रहल छथि। किछु गाम में अपन प्रवासी मैथिल लेल सेहो व्यवस्था कयल जा रहल अछि।

एहि के अलावा सैकड़ो मिथिला के युवा अपन-अपन स्तर पर जतय छथि ओतय सँ जतबे संसाधन छन्हि ओतबे सँ अपन प्रवासी मैथिल भाई-बंधु के सहयोग कय रहल छथिन्ह।
भविष्य में एहन समस्याक सुनियोजित समाधान लेल ई अत्यावश्यक अछि जे हरेक गामवासी के वास्तविक स्थिति के जानकारी वार्ड स्तर सँ पंचायत सँ लय क सरकार लग उपलब्ध होई जहिसँ आपातस्थिति में सरकार वा गामक लोक हुनक समय पर संग आ सहयोग कय सकथि।
शायद एकरे आजुक सरकार NRC कहैत अछि। तैं आजुक समय के मांग अछि गाँव-गाँव में NRC.

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *