50 सँ बेसी लोकक कैंसर सँ मौत के गाम बनल सत्तरकटैया (सहरसा) : किछु करियौ सरकार!!!

50 सँ बेसी लोकक कैंसर सँ मौत के गाम बनल सत्तरकटैया (सहरसा) : किछु करियौ सरकार!!!

आदित्य मोहन । सहरसा
सत्तरकटैया में आई फेर कैंसर सँ एकटा 27 वर्षीय महिलाक मौत भेल। कैंसर सहरसा जिलाक एहि पूरा इलाका के अपन आगोश में समेटने जा रहल अछि। ब्रेन कैंसर, लीवर कैंसर, बच्चेदानी कैंसर, ब्रेस्ट कैंसर, लंग कैंसर, थ्रोट कैंसर…. कैंसर के हर प्रकार जकर हमसब नाम सुनने छी ओहिसँ कियो ने कियो एहिठाम पीड़ित भेटत। पछिला दू साल में लगभग 50 सँ बेसी लोक एहि इलाका में कैंसर स मरि चुकल छथि आ वर्तमान में सेहो लगभग ओतबे या कही ओहुसँ बेसी लोक कैंसर पीड़ित छथि।

प्रवीण आनंद जी जे पछिला लंबा समय सँ एहि मामला के लय क ओतय काज कय रहल छथि। ओ कहय छथि कि स्थिति भयावह अछि मुदा सरकार जेना आँखि मुनि क सूतल अछि, एहि मामला के अटमोस्ट सिंसीयर्ली देखल जेबाक आवश्यकता अछि मुदा स्वास्थ्य मंत्रालय आ सरकार एकरा सामान्य घटना जकाँ ट्रीट कय रहल अछि। आईजीआईएमएस के टीम एक दिन के लेल आयल छल जहिमें 60 लोकक जांच भेल जहिमें सँ 35 मरीज कैंसर के प्रारम्भिक स्टेज में भेटल छल। ओना होबाक त ई चाही छल कि सरकार तत्काल एहि सबगोटे के ईलाजक सुविधा उपलब्ध करबाबैत, मुदा जांचक बाद आगा किछु नहिं भय सकल। लगभग सब पीड़ित मरीज अत्यंत गरीब परिवार सँ छथि, ईलाजक पैसा नहिं होबाक कारण कर्जा या जमीन बेचकर ईलाज करबा रहल छथि। कम सँ कम 10 गोटे त एहन छथि जे पीड़ित त छथि कैंसर सँ मुदा ईलाज के लेल पैसा नै होबाक कारणे बिना ईलाज के ओहिना तिल तिलकय मरि रहल छथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *