अटल मिथिला-प्रतिभा खोज प्रतियोगिता 2020

आशीष चौधरी | दरभंगा
आई दिनांक 17-03-2020 के विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगा के प्रांगण में “मैथिल मंच”“युवा संस्कार मिथिला फ़ाउन्डेशन” के संयुक्त तत्वावधान में आयोजित होबयवला मिथिला स्तरीय “अटल मिथिला-प्रतिभा खोज प्रतियोगिता 2020” के लेल प्रेस वार्ता के आयोजन कयल गेल।


प्रेस वार्ता के सम्बोधित करैत मैथिल मंच के मार्गदर्शक संग विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगा के महासचिव श्री बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ जी अटलजी द्वारा मिथिला के लेल कयल गेल योगदान सबकें चर्चा करैत कहला कि ई प्रतियोगिता सम्पूर्ण मिथिला क्षेत्र में आयोजित कयल जायत। एहि प्रतियोगिताक मुख्य उद्देश्य मिथिला क्षेत्र के होनहार छात्र के चयनित कय सम्मानक संग हुनक सहयोग कयनाई अछि।

एहि प्रतियोगिता के संयोजक पुरुषोत्तम वत्स प्रतियोगिता के विस्तृत जानकारी दैत कहलथि कि
ई प्रतियोगिता पाँचवाँ सँ बारहवाँ कक्षा तक के छात्र सबलेल होयत आ हर कक्षा के प्रथम तीन(प्रथम, द्वितीय और त्रितीय) के संग 50 सफल छात्र के सम्मानित कयल जायत। एहि प्रतियोगिता के लेल प्रखण्ड स्तर पर परीक्षा केन्द्रक व्यवस्था कयल जायत। एहि प्रतियोगिता के लेल नामांकन 1 अप्रैल 2020 से 15 मई 2020 तक होयत आ परीक्षाक आयोजन 15 जून 2020 सँ 21 जून 2020 तक कयल जायत।
एहि प्रतियोगिताक परिणाम के घोषणा समारोहपूर्वक दिनांक 11 आ 12 जुलाई 2020 के घोषित कयल जायत।

प्रतियोगिता परीक्षा के प्रारूप पर मैथिल मंच के राष्ट्रीय अध्यक्ष मणिभूषण ‘राजू’ कहलथि कि प्रतियोगिता में कक्षा स्तर पर पाठ्यक्रम के संग मिथिला के गौरवमयी इतिहास आ वर्तमान सँ जुडे प्रश्न पूछल जायत। प्रश्नपत्र 100 अंक के रहत जहिमें पाठ्यक्रम स 100 प्रश्न पूछल जायत जहिमें 80 प्रश्नक उत्तर देबय के होयत आ बाकी 50 प्रश्न मिथिला के बारे में रहत जहिमें 20 प्रश्नक उत्तर देनाई अनिवार्य होयत।

एहि के अतिरिक्त एहि प्रतियोगिताक बहुद्देश्यीय उद्देश्य पर चर्चा करैत राजू कहलथि कि एहि प्रतियोगिता के क्रम में समस्त मिथिला क्षेत्र में विभिन्न कार्यक्रम के द्वारा जनगणना 2021 में मातृभाषा मैथिली (भाषा कोड 162) चुनबाक लेल जनजागरण कयल जायत, संगहि सम्पूर्ण मिथिला के गौरवमयी इतिहास के जानकारी के गाँव-गाँव तक पहुँचाकय मिथिला आँदोलन लेल अलख जगाओल जायत।

मंच के मार्गदर्शक संग विश्वविद्यालय के पुरातत्व विभाग के विभागाध्यक्ष अयोध्यानाथ झा प्रतियोगिता को बहुद्देश्यीय बनाबय संग मिथिला के इतिहास के युवावर्ग सँ जोड़बाक प्रावधान के प्रशंसा कयलथि आ यथोचित मार्गदर्शन के आश्वासन देलथि।

पुपरी से आयल आनंदमोहन भारद्वाज प्रतियोगिता आयोजन के लेल आयोजक के बधाई देलन्हि आ अपन प्रतिष्ठान “डिस्कवर मल्टिपल टैलेन्ट” के तरफ सँ पूर्ण सहयोग के आश्वासन देलन्हि।

प्रेस वार्ता में उपस्थित वरिष्ठ गणमान्य व्यक्ति में विद्यापति सेवा संस्थान के मीडिया प्रभारी प्रवीन झा, विश्वविद्यालय के सीनेट सदस्य शुभक चौधरी, चौधरी कमलेश कुमार राय, चन्द्रशेखर झा ‘बूढ़ाभाई’, आनंद मोहन भारद्वाज, कुन्दन चौधरी, शरद चन्द्र झा, गणेशकांत झा, दिनेश झा आ अन्य लोक उपस्थित छलथि।