Vikas Jha :: विकास झा


Image

Vikas Jha :: विकास झा (जन्मदिन : 4 अगस्त)

विकास झा आई मैथिली मंचक एकटा प्रमुख चेहरा के रुप में जानल जाईछ छथि। स्टेज गायिकी संग सैकड़ो एलबम के संग अनेको राष्ट्रीय आ अन्तर्राष्ट्रीय मंच पर मिथिला के प्रतिनिधित्व करैत आई हमसब हिनका एकटा गायक, अभिनेता संग एकटा प्रबुद्ध समाजसेवक के रुप में चिन्हय छी।

विकास झा मूलत: मधुबनी जिलाक भोजपड़ौल सिमरी गामक रहनिहार छथि। हिनक पिताजीक नाम स्व. शिव नारायण झा छन्हि। हिनक शिक्षा प्रारंभ में कोलकाता  आ तहन मधुबनी में भेलन्हि । वर्तमान में दिल्ली में रहय छथि आ एखन मैथिली सिनेमाक एकटा प्रमुख स्तंभ छथि। जतेक नीक हिनक गायन छन्हि ओतबे नीक हिनक अभिनय सेहो छन्हि। हिनक अभिनीत पहिल मैथिली सिनेमा छल “मीत हमर जनम जनम के” आ दोसर एखन हालहि में आयल “लव यू दुल्हिन”
हमसब हिनक आवाज बहुत रास भारत सरकारक उपक्रम जेना इंडियन आयल आदि के गीत में सुनय छी।
सोनालिका ट्रैक्टर्स के प्रचारगीत में हिनक आवाज सुनय छी।

ओना त अनेको बेर गणतंत्र दिवस आ आन सरकारी आयोजन में विकासजी अपन आवाज सतत दैत रहय छथि मुदा पछिला साल 2019 के गणतंत्र दिवस परेड में रेल मंत्रालय क मुख्य झाँकी “मोहन सँ महात्मा” हिनके आवाज में छल।