Vandana Chaudhary :: वंदना चौधरी


vc101

मैथिल मंच के तरफ सँ एहि नवरात्रि पर अखंड मिथिला केर नौ मिथिलानी के स्तुति वंदन प्रस्तुत अछि।
ई नौ मिथिलानी अखंड मिथिला के परिकल्पना हेतु सतत मिथिला-मैथिली लेल समर्पित रहय छथि आ आजुक समय में मिथिला में जे क्रांति आ जागृति भय रहल अछि ओहि के पाछा हिनक अमूल्य योगदान रहल छन्हि।
आई दोसर दिन माँ ब्रह्मचारिणी के आराधना करैत चर्चा करब विराटनगर, नेपाल सँ सोशल मीडिया पर सबसँ चर्चित आ सक्रिय समूह “दहेज मुक्त मिथिला” केर संचालिका श्रीमती वंदना चौधरी केर।


वंदना चौधरी केर जन्म 8 अगस्त 1980 ई. के काशी में भेलन्हि। पिताजी पं. श्री जीवनंदन झा प्रसिद्ध व्याकरणाचार्य छथि।वंदना, भारत आ नेपाल के प्रमुख मिथिला-मैथिली अभियानी श्री प्रवीण नारायण चौधरी हिनकर केर अर्धांगिनी छथि। हिनक नैहर जनकपुर देवडीहा, नेपाल आ सासुर कुरसो ड्योढ़ी दरभंगा जिला भारत में छन्हि। हिनका तीन संतान छन्हि जहिमे तीन पुत्री आ एकटा पुत्र छन्हि। दहेज मुक्त मिथिला केर संगहि ई मैथिली एसोसिएशन, नेपाल के सलाहकार गण में छथि संगहि एकटा अग्रसर समाजसेविका आ निपुण लेखिका सेहो छथि। एखनतक हिनक प्रकाशित पोथी – जानकी करथि पुकार, शक्ति के जयघोष, मैथिल के आँगन आ वैश्विक पटल पर नारी हिनक साझा रचना छन्हि।
उपरोक्त परिचय सँ इतर हिनक नेतृत्व कौशल, ममतामयी व्यवहार आ समग्रताक भावना हिनका विशेष बनबैत छन्हि।
हिनकर सफल नेतृत्व में लगभग 200 मैथिलानी स्वावलंबी भेल छथि, जिनका सबके दहेजमुक्त मिथिला के तरफसँ नि:शुल्क सिलाई, कढ़ाई आ पेंटिंग के प्रशिक्षण देल गेल छन्हि जे सब आई हिनक नेतृत्व आ मार्गदर्शन में मजबूती सँ काज कय रहल छथि। घोघ तर में रहयवाली हजारो मिथिलानी केर वंदना जी प्रोत्साहित कय सोशल मीडिया में लिखयलेल प्रेरित कयलथि जकर परिणाम आई हमसब मिथिला आ मैथिली के प्रति बढ़ल जागृति के रूप में देखि सकय छी। अनेको गृहणीलोकनि लेखनी में एते निपुण भेलथि जे आई अपन लेखनी के पोथी रूप मे आनि साहित्यिक श्रृजन कय रहल छथि। कतेको तलाकशुदा, विधवा , विधुर आदि के पुनर्विवाह करा सबके जीवन संवारलन्हि। संगहि एकटा नीक आ प्रवीण काउंसेलर बनि अनेको घर के टुटय सँ बचेने छथि अपन अनुभव आ प्रयास सँ।
आई द्वितीया तिथि के माँ ब्रह्मचारिणी के आराधना करैत प्रार्थना करैत छी जे भगवती हिनका आरो सक्षम आ सबल बनबथि जहिसँ समग्र मिथिला में नारी सशक्तिकरण हुए आ अखंड मिथिला के पुनर्निर्माण में सहभागी बनथि।