मिथिला पेंटिंग प्रदर्शनी :: विद्यापति पर्व समारोह 2015

Image

“मैथिल मंच” के सदस्या श्रीमती मुक्ति झा, चेतना समिति पटना द्वारा आयोजित विद्यापति पर्व समारोह 2015, में मिथिला पेंटिंग का कला सँ जुड़ल प्रदर्शनी में आयोजक छथि। “मैथिल मंच” के पटना के सदस्य सबसँ आग्रह जे एकबेर जरुर जाई।
.
मुक्ति झा, मिथिला पेंटिंग के एकटा नव आयाम देबय आ मिथिला के एहि कला सँ जुड़ल कलाकार सबकें मदद करय लेल हमेंशा तत्पर रहय छथि आ सतत अपन कला आ विचार सँ सम्पूर्ण देश में मैथिल के एहि कला सँ जुड़य लेल प्रेरित करय छथि।
.
एहि प्रदर्शनी के एकटा खास बात ई अछि जे पहिलबेर मिथिला पेंटिंग के “Digital Printed” कापी उपलब्ध अछि जहि सँ हर वर्ग के लोक लेल मिथिला पेंटिंग पहुचायल जा सकय।

Image
.
एहि प्रदर्शनी में किछु कलाकार के जोड़ि कय एकटा मंच बना सबहक कला के एकसाथ उपलब्ध कराबय आ कलाकार के नव मार्केट बनाबय के मैथिल मंच के पहिल प्रयोग कयल गेल अछि। कुल पांच टा कलाकार मुक्ति झा के नेतृत्व में सहभागी छथि …नेहा..मधु….नमिता झा…अंजू झा आ …।
सदस्यगण सँ अनुरोध जे सबगोटे मिलकय हिनक सबहक आ मंच के मनोबल बढ़ाऊ जहि सँ आगा हमसब आर बेहतर आयोजन कय सकी।
.
चेतना समिति के बाद 11,12 आ 13 दिसंबर के पटना में आयोजित “मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल 2015” में आ मुम्बई में आयोजित “अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन 2015” में सेहो मिथिला पेंटिंग के प्रदर्शनी लगाबय के लेल तैयारी अछि।
.
मिथिला पेंटिंग वा कला सँ जुड़ल भाइ-बहिन सबसँ आग्रह जे “मैथिल मंच” के एहि अभियान स जुड़ि आ अपन सहयोगी सबकें अपन कलाक परिचय कराबी। “मैथिल मंच” सँ जुड़य लेल manchmaithil@gmail.com पर मेल कय सकय छी वा 8826566136 पर Whatsapp कय सकय छी।

Image
.

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *