Rajeev Mehta :: राजीव मेहता


Image

राजीव मेहता :: मिथिला के एकटा छोट गाम सँ दिल्ली आबि एकटा इन्टर पास बच्चा के एकटा यूथ आईकन बनय तक के संघर्षक कहानी 

मिथिला के मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी प्रखंड के परसौनी गामक एकटा युवा के कहानी अछि जे इन्टर पास कय गरीबी आ आर्थिक मारि सँ परेशान इन्टर के बाद अपन आगाक पढ़ाई के सपना छोड़ि दिल्ली के रस्ता पकड़लाह आ अपन संघर्षक जीवन में आयल एक-एकटा पत्थर के जोड़ि सीढ़ी बना आई सफलताक एहन आयाम तैयार कयलन्हि जे निश्चय मिथिला के युवालोकनि लेल एकटा आदर्श स्थापित करत आ पलायन आ गरीबी के देबार तोड़ि मिथिला के विकास लेल आगा बढ़त।

आऊ हम बात करय छी परसौनी बेनीपट्टी गामक राजीव मेहता के जे आई दिल्ली-एनसीआर के प्रथम पाँच ग्राफिक्स डिजाईनर क्लब में छथि आ नौकरी सँ लय क देश के पैघ-पैघ ब्राँड के संग काज कय रहल छथि।

अपन कमजोरी के हमेशा अपन शक्ति में बदलि आगा बढ़यवला राजीव 10th आ 12th कयलाक बाद दिल्ली एलथि आ लगभग 60 टा सँ बेसी आनलाईन लर्निंग सँ सर्टिफिकेशन कय चुकल छथि आ सतत जारीछन्हि हुनक अध्ययन।

राजीव मेहता आई आनलाईन ग्राफिक्स डिजाइन के कोर्स कराबय छथिन्ह हिन्दी भाषा में आ अपन संघर्षपूर्ण जीवन के सतत याद कय बेसी सँ बेसी जरूरतमंद युवा के मार्गदर्शन करैत छथिन्ह जे एहि फील्ड में अपन भविष्य बनाबय चाहय छथि। हिनक YouTube लिंक नीचा देल गेल अछि :-