SUDHA MISHRA


IMAGE

SUDHA MISHRA

श्रीमती सुधा मिश्रा, दरभंगा सँ छथि आ मिथिला पेंटिंग के क्षेत्र में स्वरोजगार संगहि अनेको कलाकारगण के प्रशिक्षण आ रोजगार के अवसर दय रहल छथिन। वर्तमान में लक्ष्मीसाग, दरभंगा निवासी सुधाजी के नैहर गंगद्वार छनि आ सासुर परिहारपुर, राजनगर, मधुबनी छन्हि। कोटा, राजस्थान सँ स्नातक पूर्ण कयलाक पश्चात दरभंगा में रहलथि आ पारंपरिक रूपे अपन माँ सँ भेटल एहि कला के मुक्ति झा सँ प्रशिक्षण लेलाक बाद एक सालक सर्टिफिकेट कोर्स कयलन्हि ललित नारायण मिथिला युनिवर्सिटी सँ।
वर्तमान में पीहू आर्ट एंड क्राफ्ट के नाम सँ अपन प्रशिक्षण आ रोजगार कय रहल छथि।
सुधाजी मिथिला चित्रकला प्रतियोगिता 2019 के एकटा प्रतिभागी के रूप में मैथिल मंच सँ जुड़ल छलीह आ ओहिके बाद सतत कलाहृदय सँ संग छथि। मैथिल मंच द्वारा 2021 ई. में मिथिला कला के क्षेत्र में उत्कृष्ट योगदान हेतु मिथिला कला सम्मान देल गेल छलन्हि। आई हमसब हिनका Mentor मार्गदर्शक के रूप में पाबि गौरवान्वित छी।

SOME PAINTINGS OF SUDHA :