Vibha Jha :: विभा झा


Image

Vibha Jha :: विभा झा
प्रख्यात लोक गायिका विभा झाक जन्म मधुबनी जिला मे अवस्थित उगना महादेव स्थान पंडौल मे भेल छलनि। हिनका अपन मातृभाषा सँ विशैष सिनेह छलनि।एहि सिनेहवश ई लोक संगीत गावय लगलीह। मिथिलाक विश्व विद्यालय दयभंगा स एम.ए.केर शिक्षा प्राप्त केलीह। संगीत प्रभाकर सेहो छथि। गायन के संग संग ई एगो नीक लेखिका सेहो छथि। हिनकर लिखल आलेख सब कतेको पत्रिका सब मे छपैत अछि।जेना श्यामा संदेश,मिथिला दर्पण , विद्यापति टाईम्स,मिथिला आवाज,आदि मे छपैत अछि। एतबे नहि मिथिला आवाज जे अखबार छपैत छल ओहि मे एगो नीक अनुवादिका सेहो छलीह। वर्तमान मे ई आकाशवाणी के कलाकार सेहो छथि। कतेको रंगमंच पर अपन कलाक प्रदर्शन केने छथि। अन्तराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन ,विद्यापति पर्व समारोह, मिथिला महोत्सव ,आदि मे हिनकर प्रस्तुति होइत अछि। स्थानीय श्यामा मंदिर दरभंगा मे मासिक भजनन संध्या सँ नवाह धरि दसो दिन हिनक प्रस्तुति देखल जा सकैत अछि।