Priya Mallick :: प्रिया मल्लिक


Priya Mallick

Priya Mallick :: प्रिया मल्लिक

प्रिया मल्लिक बॉलीवुड केर तेजी सँ लोकप्रिय भय रहल एक युवा गायिका छथि जिनका सोशल मीडिया पर लाखों फॉलोअर्स अपन प्यार आ सम्मान दय रहल छथिन्ह। स्टार भारत चैनल पर प्रसारित आ डिजनी हॉटस्टार पर स्ट्रीम भय रहल कार्यक्रम ‘ओम शांति ओम’ सिंगिंग रियलिटी शो सँ लोकप्रिय भेल प्रिया देश के जाने-माने संगीतकारलोकनि के साथ-साथ पार्श्व गायन में सक्रिय छथि। देश-दुनिया के बड़का-बड़का मंच सँ जनता में अपन स्वर के जादू बिखेर रहल छथि। हालहि में फिल्म ‘भुज’ में हिनका द्वारा शंकर महादेवन संग गायल गीत को जनता के साथ- साथ देश के दिग्गज माननीय राजनेतालोकनि द्वारा सराहल गेल कायैकि ई गीत देशभक्ति आ ओजस्वी अछि। फिल्मी संगीत के साथ-साथ बिहार आ उत्तर प्रदेश के लोकगीत सबके एकटा नव अंदाज़ में प्रस्तुत करय के लेल सेहो प्रिया सोशल मीडिया, प्रिंट व इलेक्ट्रॉनिक मीडिया में काफी चर्चा में छथि। अपन गायकी के बल पर यूथ आईकॉन बनि चुकल प्रिया मल्लिक के बारे कहल जाईत अछि कि ई एकटा ऐहन कलाकार छथि जिनका मे संस्कार के संग स्वैग सेहो छनि। भारतीय संस्कृति के अपने संगीत आ वक्तव्य के माध्यम सँ युवा पीढ़ी में प्रचारित आ प्रसारित करबा लेल प्रियाजी के सब जगह सराहना कयल जाइत छनि।
जयपुर घराना सँ भारतीय शास्त्रीय संगीत के शिक्षा- दीक्षा प्राप्त करयवाली प्रिया मल्लिक जैज, ब्लूज, रॉक एंड रोल जेहन वेस्टर्न गायिकी स्टाइल में सेहो अपनी प्रस्तुति दैत रहय छथि। सरस्वती बाई दादा साहब फाल्के सम्मान,आधी आबादी बेस्ट सिंगर सम्मान, ग्लोबल यूथ आईकॉन अवार्ड, महादेवी वर्मा युवा प्रतिभा सम्मान सहित कई प्रतिष्ठित मंचों से संगीत में अपने योगदान लेल प्रिया के सम्मानित कयल जा चुकल छन्हि।
प्रिया द्वारा गायल गीत देश दुनिया के सबटा महत्वपूर्ण ऑडियो ओटीटी प्लेटफार्म पर स्ट्रीम कय रहल अछि, जहिमें प्रमुख अछि – ‘आजु मिथिला नगरिया निहाल सखिया’, ‘ए पहुना यही मिथिले में रहू ना’, ‘सोहर’, ‘अरजि अरजि भोला केकरा के देई छी’, ‘गणेश आरती’, दुर्गा सप्तशती का कवच स्तोत्र (संस्कृत में)। प्रिया हिंदी, अंग्रेजी, मैथिली, भोजपुरी, पंजाबी, तमिल, तेलुगू, कन्नड़ गुजराती, बंगाली सहित देश केर अनेको लोक भाषा में गीत रिकॉर्ड कयने छथि।

Priya Mallick जी के YouTube Channel छन्हि ::

मिथिला के हृदयस्थली सुपौल के बेटी प्रिया के प्रारंभिक पढ़ाई-लिखाई पटना सँ भेलन्हि आ आगाक शिक्षा मुम्बई में भेल छन्हि। अपन गाम सँ लय क मायानगरी मुम्बई तक के सफर आ अनुभव सँआजुक
युवा सब के हिनक संदेश अछि जे कैरियर स संबंधित अध्ययन के संग संग कला संस्कृति, अपन भाषा आ परंपरा के बचाबय के कोशिश करू। जतय जाउ परिवार आ समाज के मूल्य आ मूल्य के प्रसार करू। मिथिला के लोक विशेष रूप स सीता के जीवन के आदर्श के पालन करैत छथि, सफलता के आकाश में ऊँच उड़ैत छथि, मुदा जमीन आ जड़ि के नै बिसरब।
युवा लड़का सब सँ अपील करैत छथि जे ओ बेटी क इज्जत करब सीखथि। निश्चल प्रेम करब सीखू। लड़की सब के लेल संदेश अछि जे अपन आत्मसम्मान के रक्षा के लेल अपन पैर पर ठाढ़ रहब सीखू, अपन बड़की दीदी जगत जननी माँ सीता के तरह आत्मनिर्भर बनू।