Pinki Mandal :: पिंकी मंडल


Image

Pinki Mandal :: पिंकी मंडल

मैथिली मंच के नवोदित आवाज जे आई समस्त मिथिला के मोन में बसि रहल अछि ओहि मनमोहक सुर के मलिका छथि सुश्री पिंकी मंडल। ग्राम बिटुहर, बासोपट्टी मधुबनी के बेटी पिंकी आई देशभरि में मैथिलीक एकटा आवाज बनल छथि। सुश्री पिंकी अपन पिता श्री किशोरी मंडल आ माताजीक संग एखन नोयडा में रहैत छथि आ प्रयाग संगीत समिति सँ संगीत के विधिवत शिक्षा लय रहल छथि। हिनक प्रारंभिक शिक्षा नोयडा सँ भेल छन्हि आ पिंकी मंडल जी के नाम पहिल बेर 2017 में आयल छल जखन “Singing Reality Show – मेरा भी नाम होगा” में हिनका “Best Desi Voice” के अवॉर्ड उत्तरप्रदेश के पूर्व मुख्यमंत्री डॉ. दिनेश शर्मा जी द्वारा भेटल छलन्हि।
सुश्री पिंकी कहैत छथि जे हिनका संगीत में रुचि बचपन सँ छलनि आ प्रारंभिक संगीतक शुरुआत ओ नोयडा में भगवती जागरण सँ कयलथि आ सतत भक्ति-आराधना द्वारा संगीत साधना करैत रहय छी। मैथिली गीत संगहि अपन माटि-पानि सँ सतत जुड़ल आ समर्पित रहय छथि पिंकी।
समस्त मैथिल मंच परिवार के तरफ सँ हिनक उज्जवल भविष्य लेल खूबरास आशीर्वाद आ शुभकामना। माँ भगवती अहाँके सफलताक उच्चतम शिखर तक पहुँचाबथि।