Shivani Thakur :: शिवानी ठाकुर


Image

Shivani Thakur :: शिवानी ठाकुर

नवोदित गायिका सुश्री शिवानी ठाकुर मिथिला के सहरसा जिलाक प्रसिद्ध गाम चैनपुर निवासी श्री रंजीत ठाकुर के पुत्री छथिन्ह। हिनक दादाजी के नाम स्व. तृप्त नारायण ठाकुर छन्हि।
दिल्ली में रहय छथि आ स्नातक प्रथम वर्ष के छात्रा छथि।
पढ़ाई के संग-संग गायन, अभिनय, मॉडलिंग आ नृत्य के प्रशिक्षण लय रहल छथि।
एखन हिनक मैथिली भक्ति एलबम बहुत प्रचलित भय रहल छन्हि।

कतेको जगह मंच पर अपन गायन आ अभिनय सँ लोकक प्रशंसा आ आशीर्वाद भेटैत रहय छन्हि। रामलीला में माता सीताक प्रशंसनीय अभिनय हेतु ई सबके प्रिय छथि।