Sharad Jha :: शरद झा


IMAGE

अभिनय, निर्देशन, गायन, संगीत तकनीकी, लेखन जेहन प्रमुख क्षेत्रमे बहुत रास युवा मैथिल प्रतिभा अपन धकगर उपस्थितिसं बॉलीवुड आ टेलीविजनक क्षितिज पर जगमगा रहल छैथ आ कैकटा युवक मायानगरीमे संघर्षरत आ प्रयासरत छैथ। नॄत्य क्षेत्रमे एहने एकटा प्रतिभाशाली उदीयमान मैथिल सपूत छैथ शरद कुमार झा जेकि डांसिंग कलासं बॉलिवुडमे अपन पहिचान बनबैमे सफ़लताक दिस अग्रसर  छैथ।

IMAGE

मूलत: मिथिला केर मुजफ़्फ़रपुर जिलाक लदौर गामक रहय बला शरद बॉलिवुडक लगभग सब नामी गिरामी कलाकारक संग डांस क’ चुकल छैथ । मायानगरीमे बिना कोनो सहयोगके डांसिंग क्षेत्रमे अपन नृत्य अभिनयक याट्रा क्रममे हुनका बड्ड संघर्ष करय पड़लनि आ अन्तत: अपन प्रतिभा बलबूते सफ़लता प्राप्त कायलनि अछि आ एकटा फ़ुलफ़्लेज्ड कोरियोग्राफ़रक रुपमे अपन एकटा फ़राक पहिचान बनबै लेल प्रयास क’ रहल छैथ। बीकॉम ग्रेजुएट शरद 2007सं बॉलिवुडमे अपन पएर जमौने छैथ  आ सिने डांसर्स एशॊसियेशन(बॉलिवुड) केर अहम सदस्य छैथ । बहुत कम समयमे शरद झा स्टार गोल्ड अवॉर्ड्स 2006-07, स्टार परिवार अवॉर्ड्स 2012, आइफ़ा अवॉर्ड्स 2012 (सिंगापुर), बिग बॉसमे डांस परफ़ॉर्मेंस सहित बहुत रास हिन्दी फ़िल्ममें अपन नॄत्य कलाक प्रदर्शन क’ चुकल छैथ। संगहि देश- विदेशमें कैकटा एड शूट सेहो केने छैथ। “दोस्ताना”, “यमला पगला दीवाना 2”, “बेशरम”, “मेरे ब्रदर की दुल्हिन”,”गुन्डे”, “डु नॉट डिस्टर्ब”, “आगे से राइट” , ” जय हो” आदि फ़िल्ममें हिनक डांस देखल जा सकैत अछि।  एहन मैथिल प्रतिभाकें नमन आ बहुत रास शुभकामना ।