जन्मदिन विशेष – शैलेष झा :: समग्र मिथिला लेल सर्पित युवा उद्यमी


iMAGE

जन्मदिन विशेष – शैलेष झा :: समग्र मिथिला लेल सर्पित युवा उद्यमी

मैथिल मंच के प्रारंभिक सदस्य, समग्र मिथिला के हेतु संकल्पित मुँगेर निवासी हमर सबके अनन्य मित्र ई. शैलेष झा के आई जन्मदिन छनि।
शैलेष जी अपन इंजिनियरिंग पूर्ण भेलाक बाद अपन स्वरोजगार प्रारंभ कयलाह आ नूतन अगरबत्ती आई हमर सबके बीच प्रचलित ब्राँड अछि।
एहि कोरोनाक विकराल समय में अपन समस्त आय संगहि सामाजिक सहयोग संगे सतत दू साल सँ बेसहारा आ अहाय लोकनि सतत सहयोग कय रहल छथि।
कोरोना के विकराल समय में 15 अगस्त 2019 के प्रारंभ कयल कंपनी में सतत नुकसान के बावजूद शैलेष जी अपन 10 टा कर्मचारी के सतत संग दय रहल छथि जे एकटा नीक प्रयास अछि।
लोक के सतत जागरूक करबाक संग अपन मिथिला के विभिन्न कला आ पद्धति के रोजगार सँ जोड़बाक आ बेसी सँ बेसी लोक तक सुविधा पहुँचेनाई हिनक सराहनीय काज रहल छथि।
समस्त मैथिल मंच परिवार के तरफ सँ शैलेष जी के जन्मदिन के अशेष बधाई आ शुभकामना।

Image