हमरा मिथिला राज्य चाही :: सुभाष कुमार कामत

Image

हमरा मिथिला राज्य चाही

हमरा अपन घर चाही
रोटी, मकान मान चाही
हमरा अपन अधिकार चाही
विकास संग मिथिला राज्य चाही

चूड़ा दही माछ पान मखान
मिथिलाक पहचान यौं
भाषा मैथिली, बोली अपन
तिरहुता लिपि महान यौं

सीस हिमालय मुकुट अछि
कोशी, कमला, गण्डक बालान हार यौं
चरण स्पर्श करैत छथिन गंगा
एहिस सुंदर पवित्र कतय धाम यौं

महादेव भेल छैथि चाकर
भगवान रामक सासुर एतहि यौं
जगतगुरु शंकराचार्य
नारी सँ परास्त भेलाह एतहि
कवि कोकिल विद्यापतिक अछि ई गाम यौं

हमर मधुबनी पेंटिंग
अछि देश विदेश प्रसिद्ध यौं
यात्री बनल हिंदी जगत मे नागार्जून
वैधनाथ मिश्र मूल नाम यौं

जानियौ एकर महानता
बूझियौं एकर महत्ता
भारतक ज्ञान केंद्र केँ
नहिँ सहन भ रहल उपेक्षा

हम विनय पूर्वक कहि रहल छी
हमरा जुनि उग्र करूँ
हमर अपन अधिकार दिय
हमर मिथिला राज्य दिय।

सुभाष कुमार कामत
नौआबाखर, घोघरडीहा
(खानपुर, दिल्ली)
8271282752

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *