Rohini Kumari :: रोहणी कुमारी


Image

मिथिला पेंटिंग (मधुबनी पेंटिंग) रोहणी कुमारी

रोहिणी कुमारी उर्फ़ पूजा पिताजी क नाउ विनोद कुमार गुप्ता। हिनक जन्म 15 अक्टूबर 1993 ई•म दरभंगा जिला म भेल अछि। शिक्षा दीक्षा – हिंदी प्रतिष्ठा म, स्नातकोत्तर संग बी•एड• आओर पेंटिंग आ मेंहदी मे डिप्लोमा, फाईन आर्टस डिग्री म सेहो करिनै छथिन। हिनक वर्तमान पता – मोहल्ला लालबाग़ महावीर मंदिर के नजदीक पोस्ट-लालबाग़ जिला-दरभंगा पिन कोड -846004 अछि।
रोहणी जी मिथिला पेंटिंग कें संग संग हिन्दी म सुन्नर कविता सेहो लिखै छथिन। वर्तमान म सीताराम कला एवं संगीत महाविद्यालय दरभंगा क केंद्राधीक्षक छैथि। रोहणी जी आई कालि मिथिला पेंटिंग (मधुबनी पेंटिंग) सीकी आर्ट आओर तरह तरह क डिजाइन करैत छथिन। समय समय पर देश क अनेको शहर म अपन कलाक प्रदर्शनी लगबैत रहै छथिन। अखन धरि अनेको संस्था स सम्मानित भ चुकलिन।मिथिलाक विलुप्त होइत धरोहर बचबै लग छथिन। रोहणी जी कहै छथिन हुनक ई काज म हुनक भाई विनायक बहुत सहयोग भैटलैन। पूरा समाज क हिनका पर नाज अछि। खाली समय अपन आवास पर बच्चा सबकें पेंटिंग सेहो सिखबैत छथिन। जेना सोनार सोना क पहचैन जाइत अछि, तहिना हिनका रंग क पहचान अछि। हिनक किछु कला प्रदर्शनी नीचा छन्हि –

 

विशेष जानकारी क लेल हिनक स सम्पर्क क सकैत छि ईमेल-rohiniq30@gmail. com