Rashmi Jha :: रश्मि झा


Image

Rashmi Jha :: रश्मि झा

हम<strong> रश्मि झा</strong>
हमर नैहर लहेरियासराय दरभंगा अछि आ सासुर दभारी मधुबनी अछि आ अखन हम बिलासपुर छत्तीसगढ़ में रहि रहल छी।
आई से 5 साल पहिने हम घर स अपना हाथ स बनल साज-सज्जा के सामान के काज शुरू केलौं सृजन नाम स फेसबुक पर एक टा पेज सेहो अछि।
हमरा करीब 3 साल पहिले फेसबुक के एक टा मैथिलानी के समूह सखीबहिनपा के बारे में पता चलल य
त हम ओहि में जुरि गेलौं।
ओहि क्रम में अक्टूबर 2018 में मुक्ति सखी के एक टा समाद देखलौं जे ओ औनलाइन मिथिला पेंटिंग सीख सिखाब बला एक टा समूह बना रहल छथि जाहि ठाम घर बैसल मिथिला पेंटिंग सीख सकै छी। हमरा त जेना मोन के मुराद पूरा भ गेल बहुत इच्छा छल सिखबाक लेकिन कोनो उपाय नै समझि आबै छल त जखने मुक्ति सखी के समाद देखलौं तुरत जुरि गेलौं।
मुक्ति सखी अतेक नीक स सिखबै छलैथ जे कहियो ई महसूस नै भेल जे हम ओनलाइन सीख रहल छी हरदम इहै बुझैल जे ओ सोझा में बैस क सिखा रहल छथि आ बहुत बढ़ियां जकां 6 महीना के कोर्स पूरा क क मिथिला पेंटिंग सिखलौं।
आब हम खूब पेंटिंग बनबै छी आ लोक सब खूब पसंद क रहल छथि। रश्मि झा मिथिला आर्ट गैलरी के नाम स सेहो फेसबुक पर एक टा पेज अछि जाहि ठाम हम अप्पन पेंटिंग साझा करै छी।हमर कोशिश अछि जे हम बेसी से बेसी घर में मिथिला पेंटिंग पहुंचाबी आ अपना मिथिला कला के खूब प्रसिद्धि दियाबी।
धन्यवाद 🙏
रश्मि झा।