राधे भाई :: Radhe Bhai


Image

राधे भाई :: Radhe Bhai (उद्घोषक)
मैथिली मंच के संघर्षशील उद्घोषक आ प्रखर वक्ता के रूप में सुप्रसिद्ध “राधे भाई” के मूल नाम श्री देवकीनंदन ठाकुर छन्हि।23 अक्टूबर 1979 ई के जन्मतिथि छनि आ माता श्रीमती ललिता देवी आ पिता श्री दुर्गानंद ठाकुर के पुत्र देवकीनंदन के जीवन बहुत संघर्षपूर्ण रहल आ आई हमसब एहि संघर्षक रूप देख छी हमर सबके प्रिय उद्घोषक राधे भाई के रूप में।
गाम नरपति नगर, थाना सकरी, पंडौल प्रखंड, जिला मधुबनी के मूल निवासी राधेभाई सम्प्रति दिल्ली में गणित के कोचिंग संचालन करय छथि 2000 ई. सँ।
शिक्षा सँ बी.एस.सी, बी.एड. उत्तीर्ण राधेभाई उत्कृष्ट ढ़ोलक आ हरमोनियम वादक छथि आ संगहि एकटा गीतकार आ कवि रूप में 1700 सँ बेसी गीतक रचना कयने छथि आ 250 सँ बेसी कविता लिखने छथि।
मिथिला गौरव सम्मान, मिथिलाक्षर चेतना सम्मान, उत्कृष्ट मंच संचालक सम्मान संगहि अनेको सम्मानोपाधि सँ सम्मानित राधे भाई लगभग 5000 मंच पर अपन प्रस्तुति देने छथि ।
राधेभाई सँ जुड़य लेल हिनक YouTube चैनल सँ जुड़ि चैनल के सब्सक्राइब करी आ बेल आइकन पर बटन दबेनाई नै बिसरबै। हिनक चैनल छन्हि :-