।।विकास के झुनझुना आब नै बजाऊ, मिथिला राज्य लेल अलख जगाऊ।। : मणिभूषण राजू

Image

पृथक मिथिला राज्य के लेल जखन दिल्ली सँ दरभंगा तक आवाज उठल छल तहि समय में जे कि आई सँ 20 वर्ष पूर्व तत्कालीन साँसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव मिथिला राज्य के विरोध मे मिथिलाक विकास लेल आगा बढ़लाह।
बीस साल बाद देखी त मिथिला के विकास जे भेल से त जगजाहिर अछि मुदा हिनक विकास ककरो सँ नुकायल नहि अछि।
दूनू मियाँबीबी निर्दलीय होईत दू टा पार्टी सँ साँसद बनि क्रमश: सुपौल आ मधेपुरा के विश्व के सबसँ विकसित देश में शामिल करौलथि आ आब सुनय छी जे पटना के विकास लेल लालायित छथि। एहि बीस साल में मिथिला सँ कोशी, सीमांचल, अंगिका, बज्जिका आदि अनेको अंग के तोड़बाक षडयंत्र चलय लागल आ आब समग्र मिथिला के कल्पना मुश्किल भेल जा रहल अछि।
एहने विकास के राजनीति मिथिला आजादी के बाद सतत देखि रहल अछि आ सतत गर्त में जा रहल अछि एतय के भाषा, लिपि, सभ्यता आ संस्कृति।
मैथिलजन एखनहु समय अछि, मिथिलाक बचेबाक लेल एकरा सबसँ पहिने बिहारक उपनिवेश सँ अलग कय भारतीय गणतंत्र में पृथक पहचान के बेगर्ता अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *